• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एहि साल पूरा नहि भ सकत कोनो महासेतु

July 31, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना / सुपौल। राज्य मे रेल पुल क निर्माण लगभग ठमकल अछि, इस्‍ट वेस्‍ट कारिडोर लेल जे पुल निर्माण मे भ रहल अछि ओ सेहो नदी मे जलस्‍तर बढबा स ठप भ गेल अछि। दोसर दिस पुल निर्माण मे भ रहल पर पटना हाईकोर्ट केंद्र सरकार कए दू मास क भीतर स्थिति स्पष्ट करबा लेल कहलक अछि। मुंगेर क सांसद राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह क लोकहित याचिका पर सुनवाई करैत अदालत इ स्‍पष्‍टीकरण रेलमंत्रालय स मंगलक अछि। याचिका मे कहल गेल अछि जे राज्‍यक योजना कए बिना कोनो आधार कए देर कैल जा रहल अछि।
याचिका पर बहस करैत वरीय अधिवक्ता बसंत कुमार चौधरी कहला जे दीघा, मुंगेर आ नर्मली मे बनि रहल रेल पुल क निर्माण कार्य 2003 स चलि रहल अछि। मुंगेर पुल लेल 193 करोड़, दीघा पुल लेल 173 करोड़ आ नर्मली पुल लेल महज 88 करोड़ टका एहि साल देल गेल अछि। कोसी पुल कए 2010 तक पूरा करबाक लक्ष्‍य राखल गेल छल। याचिका मे कहल गेल अछि जे बिना कोनो आधार कए बिहारक एहि निर्माणाधीन पुल सब कए कनि कनि टका आवंटित कैल गेल अछि। एहि स निर्माण कार्य मे देरी क संग संग एहि परियोजनाक लागत सेहो बढल जा रहल अछि। एहि पर न्यायाधीश सुधीर कुमार कटरियार आ न्यायाधीश विकास जैन क खंडपीठ मामला कए गंभीर कहैत केंद्र स सफाई मंगलक अछि।
दोसर दिस सुपौल से आबि रहल सूचनाक अनुसार कोसी नदी क जल स्तर मे वृद्धि क संग अस्थायी पथ ध्वस्त भ गेल आ पूर्वी आ पश्चिमी कोसी क्षेत्र कए जोड़बा लेल बनि रहल इस्ट-वेस्ट कॉरीडोर लेल कोसी महासेतु क निर्माण काज ठप भ गेल अछि। जानकारक कहब अछि जे इ पुल आब एहि साल नहि चालू भ सकत। हालांकि महासेतु निर्माण कंपनी क डीजीएम आर प्रकाश क कहब अछि जे कोनो हालत मे इ पुल एहि सालक अंत तक चाले भ जाएत।
1934 क भूकंपक बाद दू भाग मे विभक्त मिथिला कए जोड़बा लेल तीनटा पुल बनि रहल अछि मुदा सबस पहिने बनि कए तैयार हेबाक स्थिति मे एनएच-57 इस्ट वेस्ट कॉरीडोर क कोसी नदी पर निर्माणाधीन इ महासेतु अछि जेकर लंबाई 1870 मीटर अछि। एहि महासेतु मे कुल 39टा पीलर क निर्माण करबाक अछि जाहि मे स पूर्वी भाग स्थित 39म पीलर पर केवल काज शेष अछि। एहि पीलर क निर्माण काज सेहो माटि क सतह स ऊपर तक भ चुकल अछि। शेष 38टा पीलर क निर्माण काज संपन्‍न अछि। वर्तमान मे कंपनी द्वारा पीलर क ऊपर गार्टर बिछेबाक काज सेहो 32 नंबर पीलर तक पूरा भ चुकल अछि, मुदा जलस्तर मे वृद्धि क बाद स काज ठप अछि। महासेतु क पूर्वी छोर स्थित 39म पीलर स सरायगढ़-भपटियाही क चिकनी गाम तक छह किमी एनएच क निर्माण हेबाक अछि। निर्माण कंपनी द्वारा माटिक काज युद्ध स्तर पर कैल जा रहल अछि। एनएच क सुरक्षा लेल निर्मित गाइड बांध पर पाइनक दबाव अछि,मुदा पिछला साल सन स्थिति पैदा हेबाक आशंका कम अछि।
इस्ट-वेस्ट कॉरीडोर कए पूरा भ जेबाक स एहि पिछडल इलाका मे समृद्धि क मार्ग प्रशस्त होएत, संगहि दू भाग मे विभक्त जिलावासी एक दोसर स जुडबा स राहत महसूस करताह। एहि महासेतु क निर्माण स जिला क निर्मली आ मरौना प्रखंड क लोक कए जिला मुख्यालय पहुंचब आसान भ जाएत, जखकि एहि बाट स सुपौल स दरभंगा महज 124 किमी भ जाएत।

Tags: kosimithilanirmli

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

हम फेर बिहार आयब : अमिताभ

Esamaad Epaper Website

तरकारी उत्पादन मे अग्रणी राज्‍य बनल बिहार

Esamaad Epaper Website

काल्हि स शुरू होएत रिंग बस क एसी सेवा

Comments 1

  1. Dr/ Dhanakar Thakur says:
    14 years ago

    महामना वाजपेयी द्वारा शिलान्यसित ई पूल हुनक मैथिलीक आठं अनुसूचीक मान्यट्स कम महà¤%

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि