पटना। खेलक दुनिया मे धीरे-धीरे सही बिहार अपना कए लौटा रहल अछि। आधारभूत संरचनाक अभाव कए देखैत बिहार एकटा एहन आयोजन करबा लेल तैयार अछि जाहि मे आधारभूत जरूरत बेसी नहि अछि। काफी दिनक प्रयासक बाद आखिरकार बिहार कए महिला विश्वकप कबड्डी प्रतियोगिता क आयोजन करबाक मौका भेटल अछि। इ प्रतियोगिता 2012 मे 1 स 4 मार्च तक आयोजित होएत। एहि मे इंग्लैंड, अमेरिका, जापान, पाकिस्तान, बांग्लादेश, ईरान, थाइलैंड, कोरिया, श्रीलंका, नेपाल, मलेशिया समेत कुल 14 देशक टीम भाग लेत। बिहार सरकार क कहब अछि जे भारतीय कबड्डी फेडरेशन ओलंपिक एसोसियेशन स हरी झंडी ल कए आयोजन क अनुमति द देलक अछि।
बिहार लेल इ आयोजन एक प्रकार स पैघ आयोजनक शुरुआत छी आ राज्य कए एहन आयोजन लेल अपना कए साबित करबाक एकटा नीक मौका होएत। एहि आयोजनक बाद राज्य मे कबड्डी खेलक प्रति युवा मे इच्छा जगत आ एकटा नव वातावरण तैयार होएत। राज्यक शताब्दी वर्ष मे भ रहल इ प्रतियोगिता एकटा इतिहास सेहो बनाउत। राज्य सरकार एहि प्रतियोगिता क सफल आयोजन लेल तैयारी शुरू कए देलक अछि। बिहार दिवस क मौका पर एहि प्रतियोगिताक अलावा सेहो बहुत रास खेल प्रतियोगिताक आयोजन होएत, जाहि मे राष्ट्रीय स्तरक फुटबाल मैच सेहो पटना मे कराउल जाएत। एहि मे भाग लेबा लेल दसटा टीम कए न्योत पठा देल गेल अछि।