दरभंगा। कई साल स बंद पड़ल राजकीय महिला प्राथमिक शिक्षक प्रशिक्षण महाविद्यालय आब चालू भ सकैत अछि। किलाघाट स्थित महाविद्यालय परिसर मे चलि रहल जिला शिक्षा अधीक्षक आ नया शिक्षा स्थापना कार्यालय लहेरियासराय स्टेशन लग विद्यालय निरीक्षिका कार्यालय मे स्थानांतरित भ गेल। एहि दूनू कार्यालय क स्थानांतरित स इ परिसर आब प्रशिक्षण महाविद्यालय क अधीन भ गेल। क्षेत्रीय शिक्षा उप निदेशक आशुतोष कुमार क अनुसार भवन खाली भेलाक बाद आब एनीसटीई क दल महाविद्यालय क निरीक्षण करत। निरीक्षण क उपरांत सरकार नामांकन क प्रक्रिया शुरू करत। जिला मे सौ सीट क दूटा सरकारी प्राथमिक शिक्षक प्रशिक्षण महाविद्यालय अछि। एहि मे एकटा पुरुष लेल जे माधोपट्टी मे अछि आ दोसर महिला लेल जे किलाघाट मे अछि। कमालक गप इ अछि जे इ महाविद्यालय कई साल स बंद अछि मुदा शिक्षक शिक्षिकाएं बिना पढ़ाए वेतन उठा रहल छथि। उल्लेखनीय अछि जे पहिने इ कालेज लनामिवि क हराही पश्चिम स्थित डैनवी हाउस मे चलैत छल। आब ओहि मे सीएम लॉ कालेज खोलि देल गेल अछि। जाहि स एहि कालेज कए अल्लपट्टी स्थित जिला अभियंता आवास मे स्थानांतरित करि देल गेल। ओ भवन क जर्जर रहला पर कालेज कए अपन मूल परिसर किलाघाट मे आनल गेल, मुदा भव काफी छोट देल गेल। शेष परिसर पर शिक्षा स्थापना कार्यालय काबिज छल। कार्यालय क संग डीपीओ आ पीओ सेहो एहि ठाम बैसेत छलाह, मुदा एनसीटीई क निरीक्षण क सूचना प्रशासन कए हरकत मे आनि देलक। आनन फानन मे परिसर कए खाली करि देल गेल। आब उम्मीद कैल जा रहल अछि जे कालेज में नामांकन क प्रक्रिया शुरू होएत।
बिहारके ईहा दुर्भाग्य छैक जे एक दिस शिक्षकक बिना स्कूल चली रहल अछि (जे शिक्षक अछि ओही बेसी अप्रक्षित) ते दोसर दिस प्रसिक्षण विद्यालय बंद परल अछि | दोसर बात जे एक स्कूल में सामान पोस्ट पर काज केनिहार के वेतन में जमीन आशमानक फासला अछि | एहेन में शिक्षा के की हाल होयत से सिर्फ भगवानक ऊपर छैन |