मोतिहारी। देवी-देवता क भक्ति क एहन त अनेक रूप देखबा आ सुनबा मे भेटैत अछि मुदा शहर स दू किलोमीटर दूर स्थित रायसिंघा गांव मे मां दुर्गा क भक्ति क अद्भुत रूप देखिकए हर कोई अचंभित अछि। एक छोट सन झोपड़ीनुमा कुटिया मे मंजूला श्रीवास्तव नामक एकटा महिला भगवती क उपासना आ साधना मे एहि तरहे पिछला दस दिन स तल्लीन छलीह जेे हुनका देखला पर कोनो अलौकिक शक्ति क अहसास होइत रहल।
कहल जाइत अछि जे नवरात्र क दोसरे दिन एकटा विषैल सांप हुनकर शरीरपर लोटपोट करैत डंस लेलक, मुदा हुनका किछु नहि भेल। चारू कात स खेत मे लहलहाइत फसल क बीच एहि कुटिया क दर्शन करबा मे किछु श्रद्धालु-भक्त सफल भेलथि। न एहि ठाम कोना चहल-पहल देखल गेल आ न कोलाहल। न दिखाबा न कोई आडंबर। ओ कुटिया अंधकारमय रहल आ दूर स कोनो गुफा सन लगैत अछि। ओहि मे बनल अछि एकटा गढ्डा, जेकर लंबाई पांच फीट आ चौड़ाई करीब एक स डेढ़ फीट बमुश्किल होइत। ओहि गढ्डा मे मंजूला अन्न-जल त्यागि कए पिछला दस दिन स सुतल छलीह। नवरात्र भरि ओ एहि मुद्रा मे भगवती क उपासना करैत रहलीह। एहि कुटिया मे कलश स्थापना भेल छल। टाट पर भगवती क फोटो लटकल अछि। पूरा विधि-विधान स पूजा भेल। सोम दिन जखन मंजूला उठलीह त कहलथि जे हुनका एकटा सांप डंसने छल मुदा देवी कृपा स हुनका किछु नहि भेल आ ओ पूर्ण स्वस्थ छथि।