• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

माउस पर अंगुली नचा रहल अछि बिहारक ग्रामीण

April 10, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बिहारक गाम पहुंचल ई-क्रांति क धमक

पटना। समाद दू साल पहिने मधुबनीक सदूर इलाका ककलौल गाम मे इंटरनेट क मौजूदगीक समाचार प्रमुखता स अहां तक पहुंचेने छल। आइ बिहार क गाम मे लोकइंटनेट स अनचिन्हार नहि छथि। खास कए उत्तर बिहार क जिला मे इंटरनेट क धूम मचल अछि। साल क चारि मास बाढ़ मे डूबल एहि इलाका मे जतय एक गाम स दोसर गाम पहुंचब कठिन रहैत अछि, ओतहि सूचना क आदान-प्रदान क एहि माध्यम स परिवर्तन क एकटा अलग बयार बहि रहल अछि। जिला या अनुमंडल मुख्यालय स सटल गाम, एतबा धरि जे दियारा क वासी सेहो आब एकर इस्तेमाल स अछूता नहि छथि। कम पढ़ल-लिखल लोक नेट क माध्यम स ग्रुप डी तक क नौकरी ताकि रहल छथि,त छात्र क समूह अपन रिजल्ट देख रहल अछि। आंकड़ाक अनुसार मधुबनी मे 2003 मे शुरू भेल छल इंटरनेट ढाबा। आइ जिला मे एकर संख्या 850 स स बेसी अछि। एहि ठामक 399 पंचायत मे स 200 स बेसी मे इंटरनेट चलि रहल अछि। समस्तीपुर जिला मे इंटरनेट क रोजाना करीब 40 हजार टकाक कारोबार होइत अछि। जिला क विभिन्न हिस्सा मे फैलल 30-40 ढाब मे इंटरनेट क उपयोग कैल जा रहल अछि। सवा सौ पंचायत मे इंटरनेट क कनेक्शन लागि चुकल अछि, शेष मे प्रक्रिया जारी अछि। दरभंगा क शहरी आ ग्रामीण इलाका मे लगातार इंटरनेट क चलन बढि़ रहल अछि। लोग निजी उपयोग क लेल ब्राड बैंड कनेक्शन ल रहल छथि, ओतहि एकर व्यावसायिक उपयोग सेहो धड़ल्ले स भ रहल अछि। मुजफ्फरपुर शहर मे इंटरनेट क चलन ओना त 13 वर्ष पहिने शुरू भ चुकल छल, मुदा आब इ गली-मुहल्ला होइत गाम तक अपन पैठ बना चुकल अछि। शहर मे आइ एकर संख्या सौ स ऊपर अछि, जखनकि वसुधा क सौजन्य स इ अधिकतर पंचायत तक दस्तक द रहल अछि। सर्फिग चार्ज सेहो 35-40 स घटिकए 10-15 टका प्रति घंटा भ गेल अछि। पश्चिमी चंपारण मे डायल अप टोन स करीब तीन वर्ष पहिने बेतिया क हजारीमल धर्मशाला स शुरू भेल इंटरनेट ढाबा क सफर नरकटियागंज आ बगहा तक पहुंच चुकल अछि आ एकर संख्या करीब सौ भ चुकल अछि। वसुधा क तहत बेतिया पुलिस जिला मे 315 पंचायत मे स 150 मे आ बगहा पुलिस जिले मे 4 जगह पर नेट सर्विस चालू भ चुकल अछि। पूर्वी चंपारण मे मोतिहारी शहर क सोना आवासीय होटल क नीचा करीब दस साल पहिने साइबर कैफे क शुरुआत भेल छल। आइ एहि ठाम करीब एक दर्जन कैफे रन करि रहल अछि। रक्सौल, चकिया, सुगौली आ ढाका मे सेहो करीब आधा दर्जन कैफे खुलि चुकल अछि। जिला क कुल 409 पंचायत मे करीब दू दर्जन स बेसी मे वसुधा क तहत नेट लिंक भ चुकल अछि ग्रामीण माउस पर अंगुली नचा रहल अछि। एक दशक पूर्व सीतामढ़ी क गुदरी रोड मे नीरज नामक युवक प्रयोग क तौर पर जिला क पहिल इंटरनेट ढाबा खोलने छल। तीन-चार साल तक कैफे घाटा मे चलल। वजह, लोक नेट स अनजान छल। धीरे-धीरे चलन बढ़ल त ओकर कैफे मे भीड़ उमड़ल। आब जिला मे कैफे क संख्या सौ क आसपास अछि। कईटा गाम मे सेहो कैफे खुलि गेल अछि। जिला क 260टा पंचायत कए नेट स जोड़ल जा चुकल अछि।

Tags: Biharintearnet

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बीपीएससी क नतीजा घोषित

Esamaad Epaper Website

रेणु क दुनिया- जेकर बिना हमसब आधे छी..

चाणक्य क बिना चन्द्रगुप्त मौर्य क शासन अकल्पनीय

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि