मुजफ्फरपुर। मुजफ्फरपुर-सीतामढ़ी रेलखंड पर पटरी बिछेबाक काज पूरा भ गेल अछि। आब एहि पटरी कए फाइनल टच देबाक काज भ रहल अछि। रेलवे सूत्रक कहब अछि जे सब किछु सामान्य गति स भेल त मार्च तक एहि खंड पर परिचालन शुरू भ जाएत। एहि लेल जोर-शोर स बचल काज कए पूरा कैल जा रहल अछि।
जानकारी क अनुसार एहि रेलखंड क मुजफ्फरपुर स रून्नीसैदपुर तक करीब 40 किमी पटरी बिछा देल गेल अछि मुदा जुब्बा सहनी आ कोरलहिया रेलवे स्टेशन पर किछु काज बाकी अछि जेकरा पूरा कैल जा रहल अछि। एहि काज कए पूरा करबा मे एखन दस दिन आओर लागत। ओना रेलवे अधिकारी एहि रेलखंड क जांच क काज शुरू करि देलथि अछि। जांच करबा मे सेहो दस दिन लगबाक उम्मीद अछि। एहि दूनू टिसन क भवन निर्माण सेहो भ चुकल अछि।
रेलवे क एकटा अधिकारी कहला जे एहि रेलखंड पर एखन सिग्नल क काज चलि रहल अछि। धरमपुर स आगू रेलवे पटरी क अगल-बगल गिट्टी खसाउल जा रहल अछि। एहि काज मे एक दिन आओर लागत। कटौंझा पुल पर एलाइनमेंट क काज कैल जा रहल अछि। एहि पुल क काज पूरा भेला पर सीतामढ़ी दिस स सेहो मालगाड़ी स गिट्टी स लदल रैक पहुंच सकत। जाहि स काज जल्दी संपन्न भ सकैत अछि। ओना सबटा समय स रहल त इ रेलखंड मार्च तक शुरू भ जाएत।
ई रेल्खण्ड बहुत जरूरी रहई ।
पहिले, सीतामढ़ी तक पहुचे में तीन डिबिया तेल जरि जाईत रहै ।
मुजफरपुर स जुडला के बाद क्षेत्र बेसी विकास करतै, ई उम्मीद करइछी हम ।
kono thik nai kahuya suru hayat, 2005 me complete hobak chhalai. dosar tham rahitai ta public halla macha dene rahitathi , mudda ham sab ta chupa chi, mane mane garibake adat achhi, bhagawan bharo se, bhagwan kar thin ta hetei.