• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिलाक विकास लेल जमीनी लीडरशिप चाही

September 3, 2011
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सत्‍यनारायण झा
मिथिला आ मैथिली भाषाक विकास हवाई सर्वेक्षण सं संभव नहि छैक। मैथिली भाषा संवैधानिक अधिकार त पाबि गेल मुदा मिथिलाक सर्वांगिन विकास त’ एखन कोसो दूर अछि। मैथिलीक संवैधानिक अधिकार भेटने काजक इतिश्री नहि भ’ गेलैक। इलेक्ट्रोनिक्स मीडिया, प्रिंट मीडिया आ अन्य संवाद स्रोत स मैथिलीक लेल मात्र ढोल पिटल जाइत अछि। कतेक गगन बिहारी नेता वोट क्लव पर दिल्ली मे जाकए ओहिठाम दसटा मैथिल कए पकरि इन्क्लाव –ज़िंदा वाद ,आ 5-10 टा मांगक नारा दए अखवार आ टीवी मे अपन वक्तव्य दए मिथिलाक विकासक सहयोगी भ जायत छथि। यद्यपि अगर ओ गगन बिहारी नेता ओतबो नहि करताह त मैथिली क नामो लेवा ताकने नहि भेटत, एहि लेल ओ जरुर धन्यबादक पात्र छथि। एखन तक त’ यैह देखलियइ अछि। लेखक –कथाकार अपन काज बाखुबी निमाहि रहल छथि। मैथिली भाषाक खजाना दिन दिन भरि रहल छैक ताहि मे कोनो संदेह नहि।
मिथिलाक विकासक लेल ओकरा जमीनी लीडरशिप चाही। एहन एहन ग्रुप बनए जे ग्रुप मिथिलाक सुदूर देहात मे घुमि लोक सभ क’ जागृत करए, जेकर भाषा मात्र मैथिली छैक। ओ जे बजैत अछि सैह मैथिली छैक। मैथिलीक संग कतेक षड़यंत्र भ’ रहल छैक। कनेक टेढ़ बाजू त’ मैथिली ,बज्जिका , अंगिका मुंगेरिया आ आर कतेक भाषा मे परिणत भ’ जायत छैक। मुदा से गलत छैक। कोनो भाषा शुद्ध सभठाम नहि बाजल जायत छैक। जे हिंदी इलहाबादक छैक से कतौ दोसर ठामक छैक की ? जतेक प्रान्त ओतेक तरहक हिंदी। बनारस ,पटना ,कोलकोता ,भोपाल ,चंडीगढ़ ,दिल्ली आ दक्षिण भारत कतौक हिंदी मानक नहि मुदा ओ सभ हिंदी छैक। हर भाषा मे वैह गप छैक मुदा मैथिली संग सौतेला जका व्यबहार। एकर मूल कारण जे ग्रासरूट पर हम सभ मैथिल के एखन तक जागृत नहि कयल।
हमरा फिल्ड मे काज करबाक मौक़ा भेटैत रहैत छल। सहरसा,पुरनिया आ कटिहार जिलाक सुदूर देहात मे जाइत छलौ त’ देखियैक मैथिली छोरि कोनो भाषा केकरो नहि बाजल होयक। पुछला पर उत्तर भेटय जे हमरा सभक मातृभाषा हिंदी अछि। ईहो गप मैथिली मे बजैत छल। एक बेर सहरसा जिलाक एकटा कालेज टीचर स गपक काल कहलनि जे हुनकर मातृभाषा हिंदी छनि। हम पुछलियइन जे अहाँक घर सुपौल लग अछि |अहाँक माँ –बाबूजी जाहि भाषा मे अहाँ सं गप करैत छथि ओ कोन भाषा छैक? बेचारे चुप भ गेलाह। कहक मतलब ओ भाषाक प्रति जागरूक नहि छथि। हम हायरसेकेंड्री मे पढैत रही । हमर एकटा मित्र छलाह श्री राम परीक्षण यादव। बोर्ड क’ परीक्षा जखन 6 मास रहलैक तखन ओ एक दिन हमरा कहलनि, दोस्त –हमरा त’ सभ सं बेसी डर हिंदी सं होयत अछि। हम कहलियैन जे मैथिली राखि लिअ। ओ कहलनि मैथिली त’ आओर भारी छैक। हम कहलियैन अपन मातृभाषा अछि,जल्दिये सीख लेब। हुनका हम मददि करय लगलियनि। रिजल्ट आयल। स्कूल मे सभ सं बेसी अंक रहनि। आइ हमर ओ मित्र संयुक्त सचिव भ’ रिटायर क’ गेलाह आ पूर्ण मैथिल छथि।

1- मिथिला आ मैथिलीक विकासक लेल ग्रासरूट पर मैथिल क’ जागृत केनाइ
२-प्राथमिक कक्षा सं मैथिली मे अनिवार्य शिक्षा
3 –जे बहुत अल्ट्रा माडर्न छथि ओ कम सं कम अपन घर में अपन परिवार सं मैथिली मे गप्प करथि। हम त’ कतेक क’ देखलियइन अछि जे पत्नी सं हिंदी मे गप करैत। ओकर प्रभाव त’ बाल- बच्चाक संस्कार पर परतैक। ओ बच्चा अपन भाषा क’ बिसरि जेतैक।
4- जत’ क’ मैथिली जेहन छैक ओहने क’ व्यवहार करू। ओ परफेक्ट मैथिली छैक।
एहि स एकटा गप स्मरण आबि रहल अछि। हम बरस 70-71 मे मोती लाल रीजिनल इंजिनियरिंग कालेज मे पढैत रही। अखिल भारतीय मैथिली साहित्य समितिक अध्यक्ष स्व डा श्री जयकान्त मिश्र छलाह आ हम सचिव रही। हम सभ मैथिलीक कार्यक्रम समय समय पर करैत रहैत छलौ । विद्यापति पर्व मनेबाक कार्यक्रम बनलैक। स्वागताध्यक्ष केकरा बनायल जाय ? हम कहलियैन हमरा कालेज मे डॉ एसएन सिन्हा, एचओडी छथि, हुनका बनायल जाए। प्रस्ताव पारित भेल। हम सभ डॉ सिन्हा लग गेलौ। ओ कहलनि डॉ राम कुमार वर्मा उदघाटन करताह आ हमरा मैथिली बाजल नहि होयत अछि। डॉ मिश्र कहलखिन, सिन्हाजी, अहाँक घर सीतामढ़ी थीक, मैथिलीक जन्म स्थली। अहाँ अपना घर मे जे बजैत छि सैह मैथिली थीक। ओ गप मानि गेलाह मुदा हुनका डर होइत रहनि, कारण एहि कार्यक्रम मे इलहाबादक तथा बिहारक पैघ हस्ती सभ भाग लइत छलाह |डॉ सिन्हा 3-4 लाइन शुद्ध मैथिली में लिखाल घोखि गेलाह। हम सभ जाइ त’ बे- रोकटोक सूना देथि। जखन कार्यक्रम प्रारम्भ भेलैक त’ ओ एक लाइन बाजि चुप भ’ गेलाह। 1-2 मिनट चुप रहलाह। हुनका डॉ मिश्रक गप मन परलनि आ धारा प्रवाह अपन घर आंगनक मैथिली मे लगभग आधा घंटा तक बजलाह। पूरा हाँल ताली सं गुंजायमान भ’ गेल। तैं पूर्वी चम्पारण सं महानंदाक तट आ नेपालक तराई सं गंगाक तटक बीच मे जे भाषा बाजल जायत छैक ओ शुद्ध मैथिली छैक। प्राथमिक कक्षा सं अनिवार्य मैथिली भाषा मे पढाई भेला सं सबटा गैप स्वतः समाप्त भ’ जेतैक। मैथिली जागरणक लेल नवतुरिया सभ जिला स्तर पर ग्रुप बनाऊ। मानैत छी समय क’ अभाव अछि मुदा एहि मे सं समय निकलय परत। ग्रुप बनैक त’ हमरो नाम द’ सकैत छी।
हे नवतुरिया जागू।

Tags: मिथिला आ मैथिली

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नियोजित शिक्षक कए पेंशन देबाक तैयारी

Esamaad Epaper Website

बिहारक नाम एकटा आर उपलब्धि

Esamaad Epaper Website

डिग्री कॉलेज कए अनुदान भेटल

Comments 4

  1. Prakash Kr. Jha says:
    14 years ago

    Nischit rup sa Bihar me Maithili sang sadyantra bhel achhi tahi dware Mithilak bibhinn jilak/kshetrak lok sabhak boli ke alag-alag naam del ja rahal chhaik, jakhan ke sabh Maithiliye thik.

    Reply
    • satyanarayan jha says:
      14 years ago

      bahut neek

      Reply
  2. Mayank Jha says:
    14 years ago

    neek article aich. Bihar ke education minister sa ai bare mein charch kara ke chahi.

    Reply
  3. prakash chandra jha says:
    12 years ago

    Well analysed. I do support your view that what so ever one speaks is maithili. There is nothing like standarised maithily.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि