दरभंगा। मिथिला विभूति पर्व क रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमों मे प्रस्तुत गीत क आनंद श्रोता अपन घर बैसल सेहो लेलथि। आकाशवाणी दरभंगा कोसी पर बनल भपटियाही पुल क ध्वस्त भेलाब बाद मिथिला क्षेत्र क विभिन्न जिला क बीच कायम संवादहीनता कए खत्म करि संबंध सेतु बनेबाक प्रयास केलक अछि।
उल्लेखनीय अछि जे आकाशवाणी दरभंगाक एमएलएसएम कॉलेज परिसर मे आयोजित समारोह क पहिल बेर सीधा प्रसारण केलक। एकरा लेल आकाशवाणी कए विशेष सभा क आयोजन केलक। सामान्यत: राति 11.10 बजे आकाशवाणी क तेसर आ अंतिम सभा समाप्त भ जाइत अछि। मुदा मिथिला विभूति पर्व कए ल कए 11 बजे राति स विशेष प्रसारण क व्यवस्था कैल गेल छल। एहि बेर आकाशवाणी क विशेष व्यवस्था क फायदा दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, बेगूसराय, सीतामढ़ी, शिवहर, सहरसा, मधेपुरा आ सुपौल क शहरी आ ग्रामीण क्षेत्र कए स्थानीय लोक महत्वपूर्ण मानि रहल छथि। हुनकर कहब अछि जे मिथिला क विभिन्न क्षेत्र क बीच बनल दूरी कम स कम एहि तरह क सांस्कृतिक आयोजन स कम जरूर भ सकैत अछि। कम स कम आकाशवाणी क माध्यम स लोक एक-दोसर जिलाक कार्यक्रम क ओहि समय आनंद उठा सकैत अछि। इ मिथिलावासी कए एकटा मानसिक धरातल पर अनबा मे मददगार भ सकैत अछि।
बहुत नीक । एक्कहि संगे दू – दू टा नीक खबड़ि
१) आकाशवाणी दरभंगा कोसी पर बनल भपटियाही पुल क ध्वस्त भेलाब बाद मिथिला क्षेत्र क विभिन्न जिला क बीच कायम संवादहीनता कए खत्म करि संबंध सेतु बनेबाक प्रयास केलक अछि।
२) आकाशवाणी दरभंगाक एमएलएसएम कॉलेज परिसर मे आयोजित समारोह क पहिल बेर सीधा प्रसारण केलक।
शुभ समाद ।