नई दिल्ली। लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार कए सोमदिन तिरूपति स्थित पद्माती महिला विश्वविद्यालय क दिस स डीलिट् क मानद उपाधि प्रदान कैल गेल। विश्वविद्यालय क उपकुपति प्रो जी सरोजझा लोकसभा मे श्रीमती कुमार कए इ उपाधि प्रदान केलथि। विश्वविद्यालय क रजिस्टार प्रो ई मजूवनी प्रशस्ति वाचन करैत कहलथि जे इ विश्वविद्यालय अहां कए डीलिट् क मानद उपाधि प्रदान करैत गर्व महसूस करि रहल अछि। अहां इ पद प्राप्त करिकए अपन मेहनत क परिचय देलहुं अछि। एकटा कानून स्नात्तक स उपाधि ग्रहण करैत श्रीमती कुमार विश्वविद्यालय कए धन्यवाद दैत कहलथि जे इ विश्वविद्यालय महिला क सशक्तीकरण आ मुक्ति क क्षेत्र मे अपन उल्लेखनीय सेवा प्रदान करैत रहल अछि।