पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 9 नवम्बर स सेवा यात्रा प्रारंभ करताह। प्रथम चरण मे ओ बेतिया, मुजफ्फरपुर, शेखपुरा, अरवल, सहरसा, बांका, रोहतास, औरंगाबाद, पूर्णिया, सीवान समेत कुल 10टा जिलाक यात्रा करताह। एहि दौरान ओ जिला मे सरकारी योजना क हाल बुझताह, लोक स फीडबैक लेताह आ लोक सेवा अधिकार क प्रति जनता कए जागृत करताह। निर्धारित कार्यक्रम क अनुसार मुख्यमंत्री 9 स 12 नवम्बर तक बेतिया, 16 स 19 नवम्बर तक मुजफ्फरपुर, 23 स 24 नवम्बर तक शेखपुरा आओर 29 स 30 नवम्बर तक अरवल क यात्रा करताह। दिसम्बर मे 12 स 14 दिसम्बर तक सहरसा, 15 स 17 दिसम्बर तक बांका, 21 स 24 दिसम्बर तक रोहतास, 29 स 31 दिसम्बर तक औरंगाबाद आओर जनवरी मे 2 स 7 जनवरी तक पूर्णिया आओर 11 स 13 जनवरी क बीच सीवान जिला मे हुनक सेवा यात्रा होएत। जारी कार्यक्रमक सूची मे इ साफ नहि कैल गैल अछि जे एहि यात्राक दौरान ओ पटनाक बाहर अपन कैबिनेअक बैठक करताह बा नहि।