• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मुख्‍यमंत्री क भूटान मे भव्‍य स्‍वागत

May 4, 2011
in चित्रालय
A A

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013


प्रितिलता मल्लिक

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन भोर मे पटना स्थित जयप्रकाश नारायण अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डे स तीन दिवसीय यात्रा पर भूटान क लेल विदा भेलाह। ओ ड्रक एयरलाइंस क विमान स भूटान पहुंचलाह। हिमालयी राष्ट्र पहुंचला पर बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क स्वागत प्रधानमंत्री लियोन पो जिग्मे वाई थिनले सहित अन्य मंत्री सब केलथि। बिहार सरकार क आधिकारिक प्रवक्ता कहला जे मुख्यमंत्री क प्रधानमंत्री संग भेल वार्ता मे मुख्‍य रूप से भूटान क सकल राष्ट्रीय खुशहाली सूचकांक ‘जीएचआई’ क अवधारणा आ बिजली पर चर्चा भेल। नीतीश क भूटान मे स्‍वागत करैत प्रधानमंत्री थिनले अपन पिछला बिहार यात्रा कए गप कहला। थिनले कहला जे भारत क सहयोग स हुनकर राष्ट्र मे चल रहल पनबिजली परियोजना कए शीघ्र पूरा करि लेल जाएत तखन राज्य सरकार केंद्र स उत्पादित बिजली मे हिस्सा मांगबाक स्थिति मे रहत।
प्रधानमंत्री कहला जे 2020 तक भूटान मे 10 हजार मेगावाट उत्पादन क अतिरिक्त क्षमता क पनबिजली घर क स्थापना होएत।
भूटान क प्रधानमंत्री महाबोधि समिति क अध्यक्ष सेहो छथि। बिहार द्वारा बोधगया आओर राजगीर मे बौद्ध तीर्थ यात्री क लेल कैल गेल व्यवस्थाक ओ सराहना केल‍थि। नीतीश कुमार राजगीर मे भूटान क मंदिर आओर धर्मशाला क लेल जमीन देबाक बारे मे सेहो एहि दौरान जानकारी देलथि। एहि अवसर पर नीतीश कुमार प्रधानमंत्री स भूटान क सकल राष्ट्रीय खुशहाली सूचकांक ‘जीएचआई’ क अवधारणा क बारे मे विस्तार स जानकारी लेलथि।
नीतीश स गपशपक दौरान भूटान क प्रधानमंत्री थिनले हुनकर समक्ष ग्लोबल वार्मिंग स भ रहल दुष्परिणाम पर चिंता जतेलाह आओर सरकार द्वारा उठाउल जा रहल कदमक जानकारी देलथि। थिनले ककहला जे हुनकर सरकार क उद्देश्य एक दिस जतए अपन राष्ट्र मे आधुनिकता आओर विकास कए बढ़ावा देब अछि त दोसर दिस ओ भूटान क परंपरागत संस्कृति आ विरासत कए सेहो बचाकए रखबा मे कोनो कसर नहि छोड़ए चाहैत छथि।
मुख्यमंत्री भूटान क गृह आ सांस्कृतिक मामला क मंत्री लियोन जो मिंजुर दोरजी क संग विचार विमर्श मे बिहार राज्य पर्यटन निगम आओर भूटान पर्यटन निगम क बीच तालमेल पर जोर देलथि, जाहि स पर्यटक क सुविधा क लेल अनुकूल व्यवस्था कैल जा सकए। नीतीश कुमार गृहमंत्री क संग थिंपू क करीब स्थित क्वेनसील फाडरांग पहाड़ सेहो गेलाह, जतए भगवान बुद्ध क 169 फुट ऊंच प्रतिमा क निर्माण कार्य चलि रहल अछि। मुख्यमंत्री क भूटान नरेश स सेहो भेंट करबाक कार्यक्रम अछि। नीतीश संग अधिकारीक एकटा शिष्टमंडल सेहो गेल अछि।

Tags: Biharnitish

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिजली घोटाला क सीबीआई जांच हुए : सिद्दीकी

जानकी नवमी : 19 मई कए मनाउ सीता जयंती।

Esamaad Epaper Website

बाजार स बिजली कीनत बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि