मुजफ्फरपुर । उत्तर बिहार क औद्योगिक इकाइयों क जरूरत क अनुसार विभिन्न तरह क उपकरण आ औजार आब मुजफ्फरपुर मे बनत। एहि संबंध मे प्रस्तावित मिनी टूल रूम कए केन्द्र स मंजूरी भेट गेल अछि। एहि संबंध में इंडो-डेनिस टूल रूम (आईडीटीआर ) द्वारा सर्वे रिपोर्ट दिल्ली मुख्यालय कए पठा देल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे एखन धरि बिहार क औद्योगिक इकाइ सब लेल उपकरण आ औजार कोलकाता, झारखंड या फेर अन्य राज्य स आयात होएत छल। एहि ठाम उपकरण बनलाह स बिहार क उद्यमी कए काफी राहत होएत।
ज्ञात हुए जे मिनी टूल रूम क तहत औद्योगिक उपकरण क उत्पादन होएत अछि। इ एकटा प्रयोगशाला सह इकाई होएत अछि। मिनी टूल रूम मे कुशल कारीगरी क प्रशिक्षण देल जाइत अछि। उद्योग मे प्लांट चलेबा मे अबै वाला तकनीकी समस्या क निदान कैल जाइत अछि। एहि तरह स औद्योगिक विकास मे अवस्थापना संबंधी सुविधा मिनी टूल रूम स भेटत।
मिनी टूल रूम क स्थापना क लेल प्राथमिक अनुश्रवण समिति क गठन कैल जा चुकल अछि। इ समिति पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप मे मिनी टूल रूम क स्थापना क कवायद क प्रगति रिपोर्ट क जायजा लैत रहत। कमेटी मे सूक्ष्म, लघु, मध्यम उद्योग संस्थान, जिला उद्योग केन्द्र आ बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार क अधिकारी सदस्य छथि।
मुजफ्फरपुर स्थित बेला औद्योगिक क्षेत्र मे मिनी टूल रूम क स्थापना होएत। एकरा लेल बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार जमीन देलक अछि। उक्त टूल रूम क लागत 9 करोड़ आंकल जा रहल अछि।
आईडीटीआर क टीम पिछला किछु दिन पहिने बेला औद्योगिक क्षेत्र क भ्रमण करि एहि ठामक अधिकारी स गपशप केने छलाह। एहि संबंध मे सर्वे रिपोर्ट तैयार भ चुकल अछि। खबर अछि जे रिपोर्ट मुख्यालय, दिल्ली कए पठा देल गेल अछि।