मुजफ्फरपुर । काफी समय स जलजमाव क पीड़ा झेल रहल शहरवासी क लेल राहत भरल समाद अछि। शहर क लेल जल-मल निकासी क नव योजना पर तेजी स काम भ रहल अछि। नक्शा तैयार अछि आ भू-अधिग्रहण क औपचारिकता पूरा करबाक कवायद शुरू भ गेल अछि। एहि स शहर कए जलजमाव स राहत भेटबाक उम्मीद अछि। दरअसल, तीन दशक पूर्व बनल जल निकासी क योजना शहर क विस्तार आ आबादी आ मकान क संख्या बढ़बाक कारण अक्षम साबित भ रहल अछि। बिहार शहरी विकास कार्यक्रम क तहत नव योजना तैयार करि आगू क कार्रवाई क लेल सरकार आ निगम प्रशासन कए सौंप देल गेल अछि।
की अछि योजना: पटना क संस्था जीएचके कंसल्टिंग लिमिटेड एहि योजना क खाका तैयार केलक अछि। एहि मे सीवरेज प्रणाली क लेल तीन स्तर पर व्यवस्था कैल गेल अछि। शहर मे नाली क जाल बिछेबाक लेल सीवरेज नेटवर्क बनेबाक प्रस्ताव अछि। शहर मे कुल पांच सीवरेज पंपिंग स्टेशन क संग एकटा सीवरेज ट्रीटमेंट प्लांट सेहो बनाउल जाएत। योजना क मुताबिक बालूघाट, रेलवे स्टेशन क लग मे, बैरिया, खबड़ा क लग आ मिठनपुरा मे पंपिंग स्टेशन बनाउल जाएत। संगहि खबड़ा क लग फरदो नदी स लगैत इलाका मे सीवरेज ट्रीटमेंट प्लांट लगेबाक योजना अछि। ट्रीटमेंट प्लांट क लेल दस हेक्टेयर जमीन क आवश्यकता अछि, जखनकि हर पंपिंग स्टेशन क लेल 25 मीटर चौड़ा आ 30 मीटर लंबा भूखंड क आवश्यकता होएत।