पटना । देशक सबस पैघ पेट्रोलियम कम्पनी इंडियन ऑयल कॉरपोरेशन लिमिटेड (आईओसी) मुजफ्फरपुर मे 44 हजार मीट्रिक टन क्षमतावाला एलपीजी (रसोई गैस) बॉटलिंग प्लांट लगा रहल अछि, जाहि स पूरा राज्य मे रसोई गैस क मांग कए पूरा कैल जाएत। आईओसी के महाप्रबंधक (बिहार और झारखंड) बीबी चौधरी कहला जे इ प्लांट कए एहि चालू वित्तीय वर्ष मे तैयार करि लेल जाएत। चौधरी क अनुसार कंपनी बिहार मे कुल 602 करोड़ टका क निवेश करि रहल अछि। ओ कहला जे बिहार मे आईओसी क विस्तार क योजना अछि जेकर तहत कईटा योजना पर काज चलि रहल अछि आ कईटा नव योजना शुरू करबाक प्रस्ताव अछि।
एहि योजना क जरिए कम्पनी अगिल तीन साल मे बिहार मे कुल 602 करोड़ टका निवेश करत। ओ कहला जे आईओसी विश्व मे चारिम आ देश मे दोसी सबसे तेज गति स विकास करैवाला कम्पनी अछि। चौधरी कहला जे कम्पनी मुजफ्फरपुर मे चालू वित्तीय वर्ष मे 44 हजार मीट्रिक टन क्षमता वाला एलपीजी (रसोई गैस) बॉटलिंग प्लांट लगेबाक संग-संग बिहार मे पेट्रोल आ डीजल क बढ़ैत मांग कए देखैत मोतिहारी, नेपाल (अमलेखगंज डिपो) आ बैतलपुर डिपो (उत्तरप्रदेश) क बीच नव पाइप लाइन बिछेबाक फैसला लेलक अछि। चौधरी कहला जे सुरक्षा आ बेहत प्रबंधन क लेल रक्सौल डिपो कए मोतिहारी ल जेबाक योजना अछि। ओ कहला जे बरौनी स्थित रिफाइनरी क विस्तार पर कम्पनी सात करोड़ टका खर्च करत।