पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार इ एलान केलथि जे भारत रत्न डॉ. राजेंद्र प्रसाद क जयंती मेधा दिवस क रूप मे मनाउल जाएत। एहि संबंध मे राज्य सरकार क तरफ स केंद्र कए सेहो लिखल जाएत। पहिल राष्ट्रपति क 125 वीं जयंती क सिलसिला मे अगिला वर्ष दिसंबर तक हुए वाला कार्यक्रम मे शामिल हेबाक लेल राष्ट्रपति प्रतिभा सिंह पाटिल कए सेहो आमंत्रित कएल गेल अछि। जयंती समारोह क स्मृति मे डाक टिकट आ सिक्का जारी करेबा लेल संबंधित मंत्रालय कए लिखल गेल अछि।
कला आ संस्कृति विभाग क तरफ स स्थानीय एसके मेमोरियल हॉल मे आयोजित समारोह मे राज्यपाल देवानंद कुंवर, मध्य प्रदेश क राज्यपाल, ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह, कला आ संस्कृति मंत्री रेणु देवी आ आपदा प्रबंधन मंत्री देवेश चंद्र ठाकुर सेहो उपस्थित छलथि।
मुख्यमंत्री कहलथि जे इ गप क मलाल अछि जे आजादी क लड़ाई आ देश क नवनिर्माण मे जे भूमिका राजेंद्र बाबू निभेने छलथि, ओहि क अनुरूप राष्ट्रीय स्तर पर हुनका कार्यक्रम क माध्यम स याद नहि कएल गेल। राजेंद्र बाबू देश क धरोहर छथि। युवा पीढ़ी क लेल हुनका स पैघ रोल मॉडल कोनो नहि भ सकैत अछि। परीक्षक हुनकर उत्तर पुस्तिका पर इ टिप्पणी केने छलथि जे परीक्षक स बेहतर परीक्षार्थी अछि। राजेंद्र बाबू क स्मृति मे राष्ट्रीय स्तर पर जे कार्यक्रम हेबाक चाहि, ओ नहि भ रहल अछि।
एहि मौका पर मुख्य वक्ता क रूप मे उपस्थित मध्य प्रदेश क राज्यपाल रामेश्वर ठाकुर कहलथि जे राजेंद्र बाबू भारत क अंतरात्मा क प्रतीक छथि। देश क सांस्कृतिक विविधता क अनूठा संगम छल हुनकर व्यक्तित्व मे। राष्ट्रपति बनला क बाद जखन ओ पहिल बेर कोलकाता पहुंचल छलथ, त कोन तरह स हिंदी मे हुनका लेल मानपत्र पढ़ल गेल छल, इ संस्मरण कए श्री ठाकुर अपन संबोधन मे विस्तार स बतउलथि। श्री ठाकुर कहलथि जे महात्मा गांधी कए डॉ. राजेंद्र प्रसाद मे कोन हद तक विश्वास छल, एकर अंदाजा एहि गप स लगाउल जा सकैत अछि जे बापू राजेंद्र बाबू क बारे मे अक्सर इ कहैत छलाह जे इ आदमी हमर कहब पर विष क प्याला सेहो पी जाएत।
राज्यपाल देवानंद कुंवर एहि मौका पर अपन विचार रखलथि। ओ कहलथि जे देशरत्न क जन्मस्थली जीरदेई हुनका लेल तीर्थयात्रा स कम नहि छल। एहि मौका पर राजेंद्र प्रसाद एक अजातशत्रु नाम क एकटा नृत्यनाटिका सेहो प्रस्तुत कएल गेल।
दर्शनीय बनत राजेंद्र बाबू क समाधि स्थल
पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे भारत रत्न डॉ. राजेंद्र प्रसाद क बांसघाट स्थित समाधिस्थल कए दर्शनीय स्थल क रूप मे विकसित कएल जाएत। हुनकर 125 वीं जयंती क मौका पर मुख्यमंत्री हुनकर समाधि पर श्रद्धासुमन अर्पित केलथि। श्रद्धांजलि कार्यक्रम क बाद संवाददाता स मुख्यमंत्री कहलथि जे प्रथम राष्ट्रपति क 125 वीं जयंती कए धूमधाम से मनेबा लेल राज्य सरकार राजेंद्र बाबू स जुड़ल लोक आ इतिहासकार क एकटा कमेटी गठित केने अछि। हुनकर परामर्श पर आगू क कार्यक्रम आयोजित होइत। जयंती वर्ष मे डॉ. राजेंद्र प्रसाद क जीवन स जुड़ल कईटा पुस्तक क सेहो प्रकाशन कएल जाइत। मुख्यमंत्री कहलथि जे समाधिस्थल कए विकसित करबाक लेल विशेषज्ञ स गप कएल जा रहल अछि। आजादी क प्रेरक प्रसंग क जानकारी सेहो समाधिस्थल पर आएल लोक कए भेटए, किछु एहि तरह स स्थल कए विकसित करबाक योजना अछि। राजेंद्र बाबू क उपदेश सेहो समाधिस्थल पर लगाउल जाएत।
ज्ञात हुए जे राजेंद्र बाबू क जयंती आ पूण्यतिथि पर पिछला चारि साल स मुख्यमंत्री एहने आश्वासन द रहल छथि, मुदा एहि दिशा मे कोनो ठोस कार्रवाई नहि भ सकल अछि।