पटना। बिहार बोर्ड क परीक्षार्थी क लेल खुशखबरी। होली बाद मार्च क पहिल सप्ताह स मैट्रिक आ दोसर सप्ताह स इंटर क परीक्षा शुरू होइत। 30 मई तक दूनू परीक्षा क नतीजा सेहो घोषित करि देल जाइत। इ जानकारी बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क अध्यक्ष प्रो एकेपी यादव देलथि। ओ कहलथि जे एहि संबंध मे कार्यक्रम क ब्योरा विज्ञापन क माध्यम स समाचार पत्र मे विस्तार स प्रकाशित कराउल जाइत। ओ कहला जे बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा 15 दिसम्बर तक मैट्रिक आ इंटर परीक्षा संबंधी ‘माडल पेपरÓ जारी कैल जाइत। एकरा लेल परीक्षार्थी एखन बाजार मे उपलब्ध फर्जी ‘सेंपुल पेपरÓ क्रय नहि करथि।