• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिलक कासी-कावा मे गुंजल कलरव

July 30, 2012
in समाचार
A A

मिथिला महोत्सव २०१२ केर उद्घाटन
रूपेश
कोलकाता| मैथिल केर तीर्थ स्थली कोलकाता मिथिलामय रहल. चिरप्रतीक्षित मिथिला महोत्सव केर उद्घाटन आइ (रविदिन, २९ जुलाइ, २०१२) ऐतिहासिक महाजाति सदनक मुख्य प्रेक्षागृह मे भेल. कार्यक्रमक उद्घाटन मैथिल प्रेमी ओ केंद्रीय राज्यमंत्री सुदीप बंद्योपाध्याय दीप प्रज्ज्वलित क’ कयलनि. कोलकाता मे पहिल बेर ९ दिवसीय मिथिला महोत्सव केर आयोजन कयल गेल अछि. एकर उद्घाटन कें ल’ प्रवासी मैथिल लोकनि मे बहुत बेसी उत्साह छल. प्रेक्षागृह मे विशाल संख्या मे दर्शकक उपस्थिति एकर गवाही द’ रहल छल. समारोह तीन सत्र मे विभक्त छल. पहिल सत्र मे उद्घाटन ओ पाहुन लोकनिक अभिभाषण छल, दोसर सत्र मे सांस्कृतिक ओ पारंपरिक नृत्य-संगीत केर कार्यक्रम छल ओ अंतिम सत्र मे विद्यापति-उगना प्रसंग पर भाव-नृत्य केर आयोजन कयल गेल छल.

उद्घाटन-अभिभाषण:

प्रथम सत्र मे मंचासीन छलाह मैथिली अकादमी, पटना केर चेयरमैन कमला कान्त झा, गीतेश शर्मा (वरिष्ठ साहित्यविद), तारकेश्वर मिश्र (स्थानीय संपादक, प्रभात खबर), सुरेन्द्र सिंह (संपादक, सन्मार्ग), कामदेव झा (मैथिल सेवी), जुगल किशोर झा (मैथिल सेवी ), भोगेन्द्र झा (शिक्षक), स्मिता बक्शी (स्थानीय विधायक) ओ सुदीप बंद्योपाध्याय (केंद्रीय राज्य मंत्री) ओ अन्य लोकनि.

अभिभाषणक क्रम मे सुदीप बंद्योपाध्याय मैथिली ओ मिथिला कें यथासंभव सहयोग केर प्रतिबद्धता जतओलनि. ओ कहलनि मैथिली ओ मिथिला केर लोक कें ओ अपन घरक लोक बुझैत छथि. केंद्र सं ल’ बंगाल धरि प्रभाव मे हुनक दल अछि. ज्ञातव्य अछि जे बंद्योपाध्याय मैथिली कें आठम अनुसूची मे शामिल करयबा मे महत्वपूर्ण भूमिका निमाहने छलाह. स्थानीय विधायक स्मिता बक्शी सेहो सहयोगक प्रतिबद्धता दोहरओलनि. गीतेश शर्मा, तारकेश्वर मिश्र ओ सुरेन्द्र सिंह सेहो मिथिला महिमा ओ जनबल पर जोर देइत वर्तमान ओ भविष्य निर्माणक बात कहलनि. कमला कान्त झा अपन चोटगर मैथिली वक्तव्य मे शायरी केर छउंक लगओलनि आ मैथिली कें रोजी-रोटी केर भाषा बतओलनि. अंत मे महोत्सवक आयोजक मिथिला विकास परिषद् केर अध्यक्ष अशोक झा अपन ओजस्वी वक्तव्य रखलनि. ओ कहलनि जे मैथिली-मिथिला हेतु परिषद् मात्र कोलकाता मे नहि अपितु मिथिला मे जा सेहो अलख जगबैए. कार्यक्रमक बीच मे परिषद् केर काज-राज ओ उपलब्धि विषयक चारि पृष्ठक विवरणिका बाँटल गेल.

ध्यातव्य अछि जे एही मध्य सुदीप बंद्योपाध्याय द्वारा मिथिला विकास परिषद् केर स्मारिका केर विमोचन सेहो कयल गेल.

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सांस्कृतिक ओ पारंपरिक नृत्य-संगीत:

दोसर सत्र मे लोकगीत ओ नृत्य अनुपम प्रस्तुति कयल गेल. जाहि मे झरनी, लगनी, झिझिया, डोमकछ, जट-जटिन आदि छल. ई प्रस्तुति प्रवासी मैथिल दर्शक लोकनिक खूब प्रशंसा बटोरलक. प्रशिक्षित बंगाली कलाकार सभ द्वारा मिथिलाक लोक-नृत्य केर दुर्लभ प्रस्तुति भेल.

विद्यापति-उगना प्रसंग पर भाव-नृत्य :

कखन हरब दुःख मोर केर बहुत नीक भाव प्रस्तुति कयल गेल. मिथिला विकास परिषद् ओ मैथिल दर्शक हेतु ई नव नहि किन्तु बारम्बार देखय योग्य कथा ओ प्रसंग थिक विद्यापति-उगना. एहि मे गंगा प्रसंग सेहो जोडल गेल जे एकरा आओर बेसी रोचक बना देलक.

मिथिला महोत्सव केर उद्घाटन समारोह केर सफल आयोजन आ एक उदारहण देखलक मैथिल ओ कलकत्ता. महोत्सवक अगिला कार्यक्रम १२ अगस्त कें महाजाति सदन केर संयुक्त भवन प्रेक्षागृह मे ‘गीतगाइन प्रतियोगिता’ होयत. एहि मे विजय भेल तीन प्रतिभागी कें पुरस्कृत कयल जायत. लोकप्रिय मंच ओ फिल्म कलाकार रामसेवक ठाकुर केर उद्घोषणा एहि कार्यक्रम मे चारि चान लगओलक.
चित्र साभार- भास्‍कर झा

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे होएत निवेश आ सलाहकार परिषद क गठन

Esamaad Epaper Website

पूर्व डीजीपी क घर जब्‍त

Esamaad Epaper Website

डा. परमानन्द कए भेटल साहित्य अकादमी क युवा पुरस्कार

Comments 2

  1. भास्करानन्द झा भास्कर says:
    13 years ago

    बड्ड नीक रिपोर्टिंग। रुपेश के धन्यवाद आर हमर शुभकामना। सर्व-सूचना-पूर्ण रिपोर्ट।

    Reply
  2. Pravin Choudhary says:
    13 years ago

    Long Live Maithili! Long Live Mithila!

    Bahut bahut haardik badhaai Kolkata ke!!

    Harih Harah!!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि