64 टा शहर मे विकसित होइत रेलवे स्टेशन
नई दिल्ली। दीघा मे बनाउल जा रहल रेलवे स्टेशन मॉल क भांति विकसित कएल जाइत। दीघा स्टेशन बनला स राजेंद्रनगर आ पटना रेलवे स्टेशन क भार कम होएत आ यात्री क सेहो सहूलियत होएत। मालूम हुए जे मिथिला स पटना कए जोड़वा लेल गंगा पर बनि रहल रेल सह सड़क पुल एहि स्टेशन कए बनबा स पूर्व चालू भ जाइत। रेलवे मंत्रालय देश क 64 टा शहर क रेलवे स्टेशन क सूरत बदलबाक फैसला केलक अछि। एहि रेलवे स्टेशन कए मॉल तरहक विकसित कएल जातइत। एहि ठाम यात्री क ठहरबाक लेल कम किराया वाला होटल होइत आ पार्किंग क सेहो पर्याप्त जगह होइत। तरह-तरह क स्टोर होइत त जलपान क सेहो उत्तम व्यवस्था मौजूद रहत। एहि योजना पर रेल मंत्रालय करीब 500 करोड़ टका खर्च करै जा रहल अछि।
रेलमंत्री ममता बनर्जी लोकसभा मे प्रश्नकाल क दौरान कहला जे मल्टी फंक्शनल कांप्लेक्स (एमएफसी) क लेल चयनित प्रत्येक स्टेशन पर लगभग 4 हजार वर्ग फीट या एक एकड़ जमीन क व्यवस्था कएल जाइत। हर कांप्लेक्स पर 5 करोड़ स 8 करोड़ टका क लागत आबि कए संभावना अछि। पहिने चरण मे रामपुर हाट आ बर्धमान (पश्चिम बंगाल), अलपूझा (केरल), हमीरपुर (पश्चिम बंगाल), मदुरै (तमिलनाडु), हरिद्वार (उत्तराखंड), जम्मू (जम्मू व कश्मीर), उदयपुर (राजस्थान) क रेलवे स्टेशन परिसर मे इ कांप्लेक्स विकसित कएल जाइत। एहि चरण मे मैसूर (कर्नाटक), इंदौर (मध्य प्रदेश), राजगीर आ दीघा (बिहार) क रेलवे स्टेशन परिसर मे सेहो एकरा विकास कएल जाइत। रेलमंत्री कहला जे इ स्टेशन कए अंतरराष्ट्रीय स्तर क मानक क आधार पर विकसित कएल जाइत। साफ-सफाई आ यात्री क सुविधा क खास ख्याल रखल जाइत। मालूम हुए जे रेलवे क वित्तीय स्थिति मे सुधार क लेल गठित अमित मित्रा समिति रेलवे स्टेशन कए वाणिज्यिक आधार पर विकसित करबाक सुझाव देल गेल छल। समिति क ओहि सिफारिश कए लागू करै स रेलवे मे व्यावसायीकरण कए बढ़ावा मिलत। संग रेलवे क अतिरिक्त संसाधन जुटाबै क एकटा स्रोत सेहो भेटत। पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव सेहो किछु एहि तर्ज पर रेलवे स्टेशन कए विकसित करबाक योजना बनाउने छलथि, मुदा ओ आगू होइत, एहि स पहिने रेलवे मे निजाम बदैल गेल। आब रेल मंत्रालय मित्रा समिति क सुझाव कए लागू करबाक प्रक्रिया शुरू करि देलक अछि।