पूर्णिया। भाजपा विधायक राजकिशोर केसरी हत्याकाड मे आरोपी महिला रूपम पाठक आइ बिहार क उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी क खिलाफ यौन उत्पीड़न आ साजिश रचबाक क अपन वकील क शिकायत स पल्ला झाडि लेलथि। मुदा एहि बयान स इ तय भ गेल जे एहन कोनो बयान रूपम क नाम पर कोर्ट तक पहुंचल छल, आ समाचार पत्र मे इ गप दबा देल गेल।क मंडल कारागार मे न्यायिक हिरासत मे बंद रूपम अतिरिक्त मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी क समक्ष कहलथि जे हुनका पता नहि अछि जे हुनकर पूर्व क वकील की आरोप दाखिल केलक अछि। ओ कहलथि जे ओ मोदी क खिलाफ यौन उत्पीड़न आ साजिश रचबाक कोनो आरोप नहि लगा रहल छी। कए कहलथि जे ओ वकील हेमंत कुमार कए हटा चुकल छथि आ पैरवी क लेल नव वकील नियुक्त केने छथि। अदालत स कहल गेल जे रूपम जमानत क लेल एखन धरि कोनो अर्जी नहि देलथि अछि। इ गप तखन सामने आयल जखन किछु ठाम रूपमक आरोप कए प्रमुखता स छापल गेल। पुलिस आ पत्रकार आब इ पता लगेबाक कोशिश क रहल छथि जे आखिर मोदीक नाम लेबाक पाछु कोनो राजनीतिक कारण त नहि अछि या फेर एहि मामला कए दोसर रंग देबाक कोनो योजनाक तहत त इ नहि कैल गेल अछि। ओना मामला जे हुए दू टा गप साफ भ गेल जे रूपम एहन कोनो आरोप नहि लगेलथि अछि आ बिहारक अखबार एतबा महत्वपूर्ण मामला कए दबेबाक प्रयास केलक।