पटना। बहुत बाट ताकल, भेल खत्म इंतजार अंतत: उत्तर प्रदेश सरकार बिहार आ यूपी क बीच 30टा रूट पर बस सेवा शुरू करबाक लेल मंजूरी द देलक। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम एहि रूट पर पीपीपी मोड मे बस चलाउत। शुरुआत 105टा बस स होएत। एहि मे 12टा वोल्वो, 25टा एसी आ शेष सेमी डीलक्स बस रहत। अगर सब किछु तय योजना क अनुसार भेल त अगिला मास स इ सेवा शुरू भ सकैत अछि। जानकारी द दी जे यूपी-बिहार क बीच पूर्व मे बिहार राज्य पथ परिवहन निगम क बस चलैत छल। जे लंबा समय स बंद अछि। सूत्र कहतै छथि जे पिछला किछु मास पहिने विभाग यूपी क विभिन्न शहरक लेल दोबारा सीधा बस सेवा शुरू करबाक प्रस्ताव उत्तर प्रदेश सरकार कए पठेने छल। यूपी सरकार शर्त रखलक जे ओ केवल परिवहन निगम कए अपन बस चलेबाक अनुमति देत। परिवहन निगम क लग मे एखन बसक टोटा अछि, एहि इ मामला फंसल छल। निगम यूपी सरकार स अनुरोध केलक जे ओकरा पीपीपी मोड मे बस सेवा शुरू करबाक अनुमति देल जाए। मामला काफी दिन तक लंबित रहल। अंत मे यूपी सरकार निगम क प्रस्ताव कए मंजूरी द देलक। मंजूरी भेटलाक बाद आब निगम प्रबंधन निजी आपरेटर कए एहि सेवा मे शामिल करबाक प्रस्ताव देलक अछि। परमिट निगम कए भेटत आ निजी बस आपरेटर कए एकर एवज मे निगम प्रबंधन कए 10 फीसदी क रायल्टी देबाक अछि।