पटना मे आयोजित क्षेत्रीय बैठक मे भाग लैत योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, ओडिशा क मुख्यमंत्री नवीन पटनायक आ झारखंड क उपमुख्यमंत्री सुदेश महतो। एहि बैसार में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक बेर फेर बिहार कए विशेष राज्यक दर्जा देबाक मांग केलथि। जखन कि मोंटेक सिंह इ मानि लेलथि जे सब राज्य कए एक समान नहि बुझल जाएत आ राज्यक आवश्यकता क अनुसार योजना तैयार कैल जाएत। मोंटेक बैसार मे बिहारक प्रस्तुति कए सेहो अदभुत कहलाह। मोंटेक कहला जे बिहार अपन प्रस्तुति लेल काफी तैयारी केने छल आ मेहनत देखा रहल छल। एहि लेल बिहार क मुख्यमंत्री आ अधिकारी कए धन्यवाद।