युवा रंगकर्मी मुकेश झा कए श्रीकांत मंडल सम्मान आ रंगकर्मी सुधा झा कए भेटल प्रमिला झा सम्मान।
नई दिल्ली। मैथिली रंगमंचक क्षेत्र म उत्कृष्ठ योगदान लेल रंगकर्मी दयानाथ झा कए ज्योतिरीश्वर सम्मान प्रदान कैल गेल। दिल्लीक श्रीराम सेंटर मे आयोजित मिथिलोत्सव 2011 मे हिनका इ सम्माप प्रदान कैल गेल। मैलोरंग संस्था द्वारा सब साल इ सम्मान देल जाइत अछि। खचाखच भरल श्रीराम सेंटर मे जखन श्री झा कए इ सम्मान देल जा रहल छल त पूरा सभागार ताली स गूजि उठल। 2 जनवरी 1940 मे मधुबनीक नगदाह गाम म जनमल श्री झाक तकनीकी पढाईक संग रविन्द्र भारती नाट्य संस्थान कोलकाता स सीनियर डिप्लोमा इन ड्रामा केने छथि। कोलकाता म 1956 स लगातार मैथिली रंगमंचीय गतिविधि स जुडल श्री झा लगभग पचास टा मैथिली नाटक मे अभिनय केने छथि। भारत आ नेपाल मे कईटा सम्मान स सम्मानित श्री झा कए चेतना समिति पटना सेहो मिथिला विभूति सम्मान प्रदान केने अछि। ज्योतिरीश्वर सम्मान ग्रहण केलाक बाद श्री झा अपन संबोधन मे कहला जे ओ जेतबा मैथिली रंगमंच कए देने छथि ओहि स बहुत बेसी ओ सम्मान एहि रंगमंच स प्राइज़ क चुकल छथि। हुनका जनैत ओ एतबा सम्मान लायक नहि छथि।
मिथिलोत्सव 2011 मे दूटा आर सम्मान शुरू कैल गेल अछि जाहि मे एकटा युवा आ दोसर महिला लेल अछि। युवा रंगकर्मी मुकेश झा कए एहि सालक श्रीकांत मंडल सम्मान देल गेल। मुकेश झा कए इ सम्मान मैथिली रंगपटल पर अभिनयक क्षेत्र म अपन उत्कृष्ट योगदान क लेल देल गेल अछि। मुकेश झा मूल रूप स बरहा, मधुबनी, बिहारक छथि। 12 अप्रेल 1981 म जनमल मुकेश झा युवा नैनपन स रंगमंच पर सक्रिय छथि। दिल्ली स्थित श्री राम सेंटर स रंगमंच मे दू वर्षक डिप्लोमा लेलाक बाद हिनका संस्कृति मंत्रालय भारत सरकार स नेशनल जूनियर फेलोशिप प्राप्त भेल अछि। श्री झा एखन धरि लगभग 35 टा नाटक मे अभिनय आ 50 टा सा बेसी नाटक मे मंच पाश्व क विशेष अनुभव रखैत छथि।
मैलोरंग संस्था द्वारा देल जा रहल एहि सम्मान मे एहि बेर रंगकर्मी सुधा झा कए प्रमिला झा सम्मान स सम्मानित कैल गेल। मैथिली रंगमंच पर महिलाक सक्रियता कए प्रोत्साहित करबा लेल एहि वर्ष स इ सम्मान शुरू कैल गेल अछि। मैथिली रंगमंचक सुप्रसिद्ध अभिनेत्री सुधा झा क जन्म दरभंगा मे भेल अछि। नैनपन स मैथिली रंगमंच पर अपन जोरदार उपस्थितिक संग प्रमिला झा बोकारो आ दरभंगाक कईटा मैथिली आ हिंदी नाटक मे अभिनय क चुकल छथि। मैथिली, हिंदी आ भोजपुरीक क कईटा फिल्म, सीरियल आ विज्ञापन मे प्रमिला झाक अभिनय लोक देख चुकल अछि।