मोतिहारी। मोतिहारी जिला क केसरिया गामक रवि राजा जिला समेत पूरा राज्यक नाम रोशन करि देलथि अछि। बिहार स अन्हार दूर करबाक प्रतिज्ञा ल चुकल रवि एकटा एहन यंत्र बनेबा मे सफल भ गेलाह अछि जाहि स बिहार मे नव प्रकाश आबि सकैत अछि। रवि एकटा नव प्रकार क विंड टरबाइन अर्थात पवन ऊर्जा यंत्र तैयार केलथि अछि। दू मीटर व्यास आ पांच मीटर ऊंचाई क सिलेंडर लगेला पर एहि स 10 स 16 मेगावाट बिजली तैयार भ सकैत अछि। एतबा बिजली स 15 हजार आबादी वाला क्षेत्र स अन्हार दूर भ सकैत अछि। नव विंड टरबाइन मे दूटा जनरेटर लागल अछि। इ जीरो डिग्री रोटेशन पर काज करैत अछि। दूनू दिस स हवा चलला पर सेहो इ ठीक तरीका स काज करैत अछि। एकटा पत्र मे देल गेल जानकारीक अनुसार रवि डेढ़ वर्ष स इ बना रहल छलथि। रवि कहला जे पुरान विंड टरबाइन में एकटा जनरेटर रहैत छल आ ओहि मे जीरो डिग्री रोटेशन क सुविधा नहि छल। दूनू दिस स हवा बहला पर पंखा अलग-अलग दिशा में घूमैत छल। गलत दिशा में घूमला स आरपीएम (रेवोल्यूशन पर मिनट) कम भ जाइत छल आ ऊर्जा उत्पादन क्षमता मात्र पांच स आठ मेगावाट भ जाइत छल। विश्व में अपन तरह इ पहिल टरबाइन अछि। भारत सरकार क विज्ञान आ प्रौद्योगिकी मंत्रालय निदेशक वीसी सिंह कहला जे बिजली उत्पादन क क्षेत्र में इ बहुत उपयोगी सिद्ध होएत। एकरा पेटेंट करेबा लेल रवि प्रयास क रहल छथि।