पटना। राज्य सरकार राजगीर कए ड्रेनेज सीवेज आ सीवेज ट्रीटमेंट प्लांट (एसटीपी) क तोहफा देबै जा रहल अछि। एहि स संबंधित 77.67 करोड़ टका क योजना अछि। साल क समाप्ति क ठीक पहिने 29 दिसंबर कए राजगीर क गिद्धकूट पर्वत पर होबै वाला राज्य मंत्रिपरिषद क अगिला बैठक मे एकर निर्णय कएल जाइत। मालूम हुए जे इ मुख्यमंत्री क गृह जिला सेहो अछि। बेगूसराय क बरबीघा क बाद इ दोसर मौका होएत, जखन नीतीश कैबिनेट क बैठक पटना स बाहर होइत। हालांकि नीतीश कैबिनेट राजगीर रवाना होबै क ठीक पहिने वाला बैठक मे सेहो पर्यटन क दृष्टिकोण स इ महत्वपूर्ण प्राचीन शहर क लेल पटना क एसके मेमोरियल हॉल क तरह कन्वेंशन हॉल क तोहफा पेश करि चुकल अछि। 33 करोड़ क लागत स बनै वाला इ हॉल क निर्माण पुल निर्माण निगम करत। ओना जखनि ड्रेनेज आ सीवेज सिस्टम आ एसटीपी क मामला अछि त सरकार महसूस करैत अछि जे इ ऐतिहासिक शहर कए पर्यटन कए दृष्टि स और महत्वपूर्ण बनेबाक लेल नागरिक सुविधा मे इजाफा करबाक आवश्यकता अछि। एहि कए ध्यान मे रखि कए लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग सीवेज-ड्रेनेज क लेल योजना तैयार केलक अछि। पीएचईडी सूत्र क अनुसार नगर विकास क माध्यम स प्रस्ताव कैबिनेट क हवाला करि देल गेल अछि। राजगीर नगर पंचायत क लेल बनल इ योजना कए तत्काल प्रशासनिक स्वीकृति देज जाएत। जतए तक नालंदा क सवाल अछि बिहारशरीफ कए नगर निगम क दर्जा हासिल भ चुकल अछि। इ माह मुख्यमंत्री नगर विकास योजना क तहत सड़क आ पार्क क लेल एकरा 5.74 करोड़ टा देल गेल अछि। किछु माह पहिने बिहारशरीफ क जलापूर्ति क लेल 87.65 करोड़ क योजना मंजूर क जा चुकल अछि। समेकित आवास आ गंदी बस्ती सुधार योजना क तहत गरीब क घर क लेल किछु माह पहिने दस करोड़ टका क योजना कए स्वीकृत कएल गेल अछि। समेकित अल्प लागत शौचालय योजना क लेल सात हजार स अधिक टा शौचालय क निर्माण क सेहो स्वीकृति भेट चुकल अछि।