रांची। मैथिली राजभाषा संघर्ष समितिक रांची मे बैसार भेल। एहि बैसार मे तय भेल जे मैथिली कए राज्यक दोसर राजभाषाक दर्जा दियेबा लेल संघर्ष नव तेवरक संग शुरू कैल जाएत। डॉ धनाकर ठाकुरक अध्यक्षता मे भेल एहि बैसार मे कईटा मसला पर गंभीर चर्च भेल आ पूरा आंदोलन कए नव तेवर देबा लेल समिति क पुनर्गठन कैल गेल। बैसार मे अपन विचार रखैत डॉ. गुणेश्वर झा कहला जे सरकार द्वितीय राजभाषाक कोना तय करि रहल अछि एकरा लेल आरटीआइ फाइल कैल जाए। ओ कहला जे एहि मसला पर बिहारक नेता स सेहो मदद लेल जाए। समिति मे एहि पर गंभीर आपत्ति दर्ज कैल गेल जे मुंडा सरकार 12टा भाषा कए द्वितीय राजभाषा क दर्जा द रहल अछि तखनो मैथिली कए ओहि मे शामिल नहि कैल जा रहल अछि। बैसार मे छत्तर सिंह कहला जे ई मुद्दा राजनीतिक अछि। वोट बैंक पर राजनीतिक दल घुमैत अछि ओकरा अपन शक्ति नहि देखायब त एहिना होइत रहत। बोकारो स आयल अमीरीनाथ झा ‘अमर’ कहला जे भाषा पर लागल ब्राह्मणक ठप्पा कए दूर करबा लेल गैर ब्राह्मण कए समिति मे जगह दैल जाए। डाल्टनगंज क प्रो केसी झा कहला जे आब गप स किछु नहि होएत बाट पर जूलूस हेबाक चाही। बाबूलाल मरांडी, इंदरसिंह नामधारी सन नेता स संपर्क करबाक चाही। मिथिलेश्व कहला जे न्यायालय क दुहारि खटखटेबाक चाही।
एकर बाद सब तरहक प्रस्ताव कए देखैत पुरान समिति कए भंग क देल गेल आ ओकर पुनर्गठन कैल गेल। नव समिति मे सुबोध चौधरी कए अध्यक्ष बनाउल गेल, ओ पत्र प्रपत्र आदि पर हस्ताक्षर करताह। सलाहकार- डॉ. गुणेश्वर झा, श्रीपाल झा, सत्येन्द्र मल्लिक। कार्यक्रम उपसमिति- छात्तर सिंह, सुबोध चौधरी , प्रो अशोक ‘अबिचल’। राजनेता संपर्क- प्रेमचंद झा। कानूनी उपसमिति- मिथिलेश झा, गौरी शंरण झा। आन्दोलन उपसमिति- हृषीकेश, संतोष, मनोज मिश्र। जागरण रथ- अरुण झा। कोष- शिशिर, प्रेमचंद झा। मीडिया संपर्क- भारतेंदु झा। विधायी उपसमिति- अशोक अबिचल, मनोज मिश्र।
bahut neek deg….
ई डेग जरूरी अछि । हम सभ दिनोंदिन कतिया देल जा रहल छी। एकर कारण खोजय पड़त।
Bahut neek gapp. Jharkhand sang Bihar me seho Maithili ke Rajbhashak darja bhetbak chaahi.
ड्राइंगरूम पोलिटिक्स बहुत भेल आब सड़क पर उतरू तखने संभब!अधलाह नहि मानब क्षमाप्रार्थी छी।
Arun jee ekdam thik kahlah achhi.