नई दिल्ली। वरिष्ठ कवि आ गीतकार चंद्रभानु सिंह आ कवि, निबंधकार आ अनुवादक रामलोचन ठाकुर कए संयुक्त रूप स वर्ष 2012 क प्रबोध साहित्य सम्मान देल जाएत। साहित्यकार आ विश्व भारती विश्व विद्यालय क सह उपाचार्य प्रो.उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’ क अध्यक्षता मे गठित सात सदस्यीय निर्णायक मंडली वर्ष 2012 लेल चंद्रभानु सिंह आ रामलोचन ठाकुर क चयन मैथिली भाषा में हिनकर सबहक विशिष्ट योगदान क आधार पर केलक अछि। इ सम्मान हिनका सब कए 12 फरवरी कए कोलकाता क महाजाति सदन सभागार में प्रदान कैल जाएत। दूनू कवि कए प्रतीक चिन्ह क संगहि एक-एक लाख टका क राशि सेहो देल जाएत। मैथिली आंदोलन क अगुवा आ कोलकाता विश्र्वविद्यालय क भूतपूर्व विभागाध्यक्ष डा. प्रबोध नारायण सिंह क स्मृति मे इ सम्मान स्वस्ति फाउंडेशन दिस स वर्ष 2004 स सब साल प्रदान कैल जाइत अछि। चंद्रभानु सिंह क जन्म 1922 मे दरभंगा क नदियामी गाम मे भेल अछि। शिक्षण कार्य स अवकाश भेटलाक बाद इ अपन गाम मे रहैत छथि। मैथिली में इ शकुन्तला महाकाव्य, के ई गीत अलापै छै आ स्वदेश भारती गीत संग्रह पुस्तक लिखने छथि। वर्ष 2004 में शकुन्तला महाकाव्य कए साहित्य अकादमी द्वारा पुरस्कृत कैल गेल अछि। रामलोचन ठाकुर क जन्म 1949 में मधुबनी जिला क पालीमोहन गाम में भेल। आयकर विभाग में निरीक्षक क पद स अवकाश भेटलाक इ एखन कोलकाता में रहैत छथि।
Bahut-Bahut badhaai.
badd utaam samachar. Thakurjee evam singhjee ke hardik badhai . – Vidhukanta Mishra