पटना। अति पिछड़ा वर्ग क आर्थिक, सामाजिक आ शैक्षणिक समस्या क अध्ययन क लेल राष्ट्रीय स्तर पर अतिपिछड़ा वर्ग आयोग गठित करबाक जरूरत अछि। आयोग अतिपिछड़ा वर्ग मे शामिल जाति क स्थिति क अध्ययन करि ओकर विकास क लेल सरकार कए सुझाव दिए। तखने एहि जाति क विकास क मार्ग खुलि सकैत अछि। इ गप अति पिछड़ा वर्ग पदाधिकारी, कर्मचारी संघ क तत्वावधान मे एएन सिन्हा संस्थान मे आयोजित राष्ट्रीय सेमिनार मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला। मुख्यमंत्री जोर दे कए कहला जे केन्द्रीय सेवा मे सेहो अतिपिछड़ा वर्ग कए विशेष सुविधा देबाक जरूरत अछि। ओ कहला जे आब जाति स जमात क दिस चलबाकजरूरत अछि। जमात मे चलबा स छोट-छोट जाति क पूछ बढ़त। प्रदेश क विकास क लेल अतिपिछड़ी जाति क विकास आवश्यक अछि। राज्य सरकार अति पिछड़ी जाति क विकास क लेल शिक्षा क क्षेत्र मे कई टा योजना चला रहल अछि। शैक्षिक विकास स हुनकर सर्वागीण विकास भ सकैत अछि।