पटना। पटना उच्च न्यायालय क इतिहास मे पहिल बेर एकटा महिला न्यायाधीश मुख्य न्यायाधीश क कुर्सी पर विराजमान भेलीह अछि। इ गौरव गुजरात हाईकोर्ट क वरीयतम न्यायाधीश सुश्री रेखा एम दोषित कए प्राप्त भेल अछि। उच्चतम न्यायालय क मुख्य न्यायाधीश केजी बालाकृष्णन क अध्यक्षता मे गठित उच्चतम न्यायालय क कोलिजियम सर्वसम्मति स सुश्री दोषित क नाम पर हरी झंडी द ेलक। 1916 स कार्यरत पटना उच्च न्यायालय मे कईटा महिला न्यायाधीश क पद पर काबिज भेलीह, मुदा इ ऐतिहासिक मौका अछि जखन कोनो महिला न्यायाधीश कए हाईकोर्ट क मुख्य न्यायाधीश बनाउल गेल अछि। पटना हाईकोर्ट क निवर्तमान मुख्य न्यायाधीश दीपक मिश्र कए दिल्ली हाईकोर्ट स्थानांतरित कैल गेल अछि। हुनकर गेलाक बाद सुश्री दोषित अपन पदभार ग्रहण करतीह।