• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रोजगार क तलाश मे बिहार आबि रहल छथि राजस्थानी

June 26, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बगहा (पश्चिम चंपारण)। समय बदलबा मे देर होइत अछि, मुदा बदलैत जरूर अछि। आइ जतय बिहार क लोक रोजगार तकबा लेल दिल्ली, पंजाब आ गुजरात जइसन विकसित सूबा मे जा रहल अछि ओतहि किछु एहनो उदाहरण सामने आबि रहल अछि जाहि स प्रतीत भ रहल अछि जे रोजगार बिहार मे सेहो सृजित भ रहल अछि आ बाहरी राज्यक लोक बिहार आबि रहल अछि। बिहार मे करीब 20 हजार स बेसी राजस्थानी मजदूर गंडक, कोसी, बागमती आ गंगा पर बांध क काज मे लागल छथि। एहि मे स किदु श्रमिक चंपारण क बगहा सन अल्प विकसित जगह पर पंडित नेहरू द्वारा बनाउल गेल नहर क पुनस्र्थापन कार्य मे लागल छथि। हिनकर साफ कहब अछि जे बिहार क लोक काज करबाक संग-संग काज लेबा मे सेहो माहिर अछि। एहि कारण हिनका सब कए बिहार क माटी स प्यार भ गेल अछि। जहिया स माहौल बदलल अछि तहिया स रोज राजस्थानी मजदूर, चालक आ अभियंता काज क तलाश मे बिहार आबि रहल छथि। सबहक लेल वाजिब मजदूरी तय अछि। एहि कड़ी मे पिछला दू दशक स तबाही क वाहक बनल गंडक बराज स निकलल नहर कए फेर स जीवंत करबा लेल पहुंचल राजस्थानी मजदूर बिहार कए बनेबा मे लागल दथि। पश्चिम चंपारण क बगहा पुलिस जिला क विभिन्न इलाका मे इ काज करि रहल छथि। तिरहुत आ त्रिवेणी नहर क पुनस्र्थापन मे लागल दर्जन भरि ट्रैक्टर चालक क नेतृत्व करनिहार राजस्थान क बीकानेर जिला क डुमरावगढ़ निवासी कालूनाथ सिद्दी आ मदनलाल शर्मा कहैत छथि जे ओ पिछला छह महीना स बिहार मे काज करि रहल छथि। हुनका एहि ठाम कोनो प्रकार दिक्कत नहि भेल अछि। ओ साफ कहैत छथि जे सुनने रही ओकर ठीक विपरित भेटल बगहा।

Tags: दिल्लीपंजाबबगहा

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

लालूक पाछु पड़ल ममता कए फेर हाथ लागल मायूसी

Esamaad Epaper Website

गहूम क जगह माटी भरल बोरा पठाउल जा रहल छल बिहार

Esamaad Epaper Website

आईआईटी प्रवेश परीक्षा मे बदलाव स बिहार चिंतित

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि