• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लक्ष्मी प्रसन्न भेलीह

October 17, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

car-samaad
बिहार मे एहि साल दिवालीक कारोबार लगभग 300 करोड़ टकाक आसपास रहल
दीपावली पर बिहारक लोक क बदलैत सोच क झलक भेटल

महामंदी क वैश्विक अंधकार क बीच आखिरकार बिहार क उपभोक्ता बाजार पर लक्ष्मी प्रसन्न भेलीह। बिहार मे एहि साल दिवालीक कारोबार लगभग 300 करोड़ टकाक आसपास रहल। जे पिछला साल से लगभग दू गुना अछि। बाजार क एहि व्यवहार क व्याख्या आर्थिक गतिकी, क्रय मनोविज्ञान और तेज रफ्तार शहरी जीवनशैली क नजरिया स कैल जा रहल अछि। सोचल इ सेहो जा रहल अछि जे जाहि प्रदेश मे लगभग डेढ़ करोड़ लोक गरीबी रेखा क नीचा अछि, प्रति व्यक्ति आय काफी कम अछि आओर गांव बाढ़-सूखा क छाया स उबर नहि पायल अछि, ओहि बाजार कए उबार लेबाक ताकत कतय से आयल अछि? शायद एकर पाछु हमर ओ अक्षय धार्मिक-सांस्कृतिक ऊर्जा अछि, जे अनहार राति मे उत्सवी आतिशबाजी क हजारों रंग बिखेर कए सब किछु बदैल दैत अछि। पश्चिम स उगल मंदी पूरब मे ऐनाए अस्त नहि भेल अछि।
एहि साल दीपावली पर बिहारक लोक क बदलैत सोच क झलक सेहो भेटल। परंपरा क अनुसार लोक सोना-चांदी आ ओकर बाद तांबा-पीतल क वस्तु कीनब शुभ मानैत अछि। इ प्रचलन क लाभ दीपावली पर सराफा आ बर्तन बाजार क खाता मे जाइत छल। एहि बेर रुझान अलग रहल। 21म सदी क नवम साल मे ट्रेंड बदलल। फेस्टिव शापिंग मे परंपरा आओर जरूरत क ध्यान त रखले गेल, मुदा दूरगामी निवेश आ रीसेल वैल्यू क आग्रह कमजोर पड़ल। बिहार लोक सेहो बुझि गेल जे जमाना आइ एनज्वाय करबाक अछि। नतीजा रहल जे टीवी, फ्रिज, वाशिंग मशीन, मिक्सी, हाटकेस, ओवन सन आधुनिक घरेलू उपकरण (होम एप्लाएंसेंस) बेसी खरीदल गेल। एहि वस्तु क बिक्री उम्मीद स 150 फीसदी बेसी भेल अछि। असगर पटना मे एकर दिवाली कारोबार लगभग 80 करोड़ टका तक पहुंचल। दोसर कात पटना क सराफा बाजार 50 करोड़ टका क लक्ष्य क करीब रहल। पिछला साल राजधानी मे 42 करोड़ क गहना-सिक्का आदि बिकैल छल। एहि स बेसी त एहि बेर कंप्यूटर-इन्वर्टर सन उपकरण बिकायल अछि। डेस्कटाप आ लैपटाप खूब खरीदल गेल। आम आदमी क लेल कार कीनब एखनो पैघ सपना अछि, मुदा धनतेरस क दिन असगर पटना मे एहन 1840 गोटे क सपना सच भेल। हिनका लोकनि कए दीपावलीक दिन नव गाड़ी अपन आंगन मे रखबाक सुख भेटल आ फोरह्वीलर क्लास मे शरीक हेबा पर फक्र सेहो। एहि कामना क लाभ उठाकए कार बाजार अपन बिक्री क लक्ष्य सेहो पूरा केलक। लगभग 200 ग्राहक क लेल त गाड़ी कम पडि़ गेल। एखन तक जे जानकारी भेटल अछि ओकर अनुसारे लगभग 50 करोड़ क कारोबार भेल अछि।

Tags: bihar. patnadiwaliकारोबारदिवालीबिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बिहार मे खुलत झारखंड क गोलमाल!

Esamaad Epaper Website

टाय-टांय फिस्स भ गेल शिक्षक क आंदोलन

गाम क मौगी कए दिवाली क सनेस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि