55 महीना मे छह सौ पुल बनल : नीतीश
रोसड़ा (समस्तीपुर)। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे पचपन माह क कार्यकाल मे बिहार मे छह सौ पुल क निर्माण भेल अछि। निर्धारित समय स एक वर्ष पूर्व लरझा घाट सेतु क निर्माण करि बिहार राज्य पुल निर्माण निगम एक रिकार्ड स्थापित केलक अछि। एहि कारण स आइ बिहार स बाहर सेहो बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क मिसाल देल जा रहल अछि।
मुख्यमंत्री बिथान प्रखंड स्थित करेह नदी मे लरझा घाट पर 30 करोड़ क लागत स बनल पुल क उद्घाटन क बाद जनसभा कए संबोधित करैत छलाह। 457 मीटर लंबा एहि पुल क नाम जननायक कर्पूरी ठाकुर सेतु घोषित करैत कहला जे समाज क बिखरल लोक कए जोड़बा लेल इ विश्वास क पुल अछि। ओ 1500 करोड़ क लागत स गंगा नदी मे बख्तियारपुर स ताजपुर क बीच जल्द पुल क शिलान्यास करबाक घोषणा केलथि। रामविलास पासवान क नाम लेने बिना ओ कहला जे एतबा पैघ नेता भेलाक बावजूद अपन घर जेबा लेल ओ एकटा पुल नहि बनबा सकलाह। एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे 15 हजार करोड़ रुपए सड़क निर्माण मे खर्च भेल अछि। पूर्व क 15 वर्ष क शासन मे एक हजार करोड़ तक खर्च नहि भेल छल।