पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे इकॉनोमिक टाइम्स द्वारा हुनका मुंबई मे देल गेल बिजनेस रिफॉर्मर ऑफ द इयर अवार्ड राज्य क लोकक सम्मिलित प्रयास स बनल वातावरण क कारण एखन धरि भेल समेकित विकास क परिणाम अछि। कुमार जनता क दरबार मे मुख्यमंत्री कार्यक्रम क दौरान कहला जे पहिने लोक इ मानैत छल जे बिहार मे कोनो परिवर्तन नहि भ सकैत अछि, मुदा आइ सबहक सहयोग स राज्य मे भेल सकारात्मक परिवर्तन कए आब सबदिस क लोग महसूस करि रहल अछि। ओ हिला जे इ बदलाव किसान, मजदूर, अधिकारी, कर्मचारी, अभियंता, व्यवसायी, पुलिसकर्मी, जनप्रतिनिधि आ मीडियाकर्मी क सम्मिलित प्रयास स बनल वातावरण क परिणाम अछि। मुख्यमंत्री सब तरहक प्रतिकूल परिस्थिति क बावजूद बिहार क सराहनीय विकास दर आ एहि ठाम भ रहल सकारात्मक परिवर्तन क पूरा श्रेय बिहारक आम लोक कए देलथि। ओ मीडिया क काज क सराहना करैत कहला जे मीडिया सरकार क कमी आ जनता क कठिनाइ कए प्रकाश मे अनलक जाहि स ओकरा दूर करबा मे मदद भेटल।