• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लोक सेवा आयोग में मैथिलीक शानदार उपलब्धि

May 12, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

आशीष झा
नई दिल्‍ली ।
लोकसेवा आयोग क परीक्षाक परिणाम बुधदिन सामने आयल। मैथिलीक नजरि स परिणाम एक मायने मे एतिहासिक कहल जा सकैत अछि। एहि बेर करीब एक दर्जन एहन छात्र परीक्षा पास केलथि अछि जिनकर विषय मैथिली छल। परीक्षा मे सफल छात्र चंदन क अनुसार कुल 46 गोट छात्र मेंन्‍स परीक्षा मे एहि विषय कए ल कए बैसल छलाह, जाहि मे स कुल 24 गोटे कए साक्षात्‍कार लेल बजाउल गेल छल। साक्षात्‍कार बाद करीब एक दर्जन छात्र कए परीक्षा मे सफलता भेट गेल अछि। अपन चारिम आ आखिरी प्रयास मे कामयाब भेल अनुप तीन बेर इतिहासक संग राजनीति शास्‍त्र विषय लेने छलाह आ कामयाबी हुनका लग नहि आबि सकल। अपन आखरि प्रयास मे ओ राजनीति शास्‍त्र क स्‍थान पर मैथिलीक चयन केलथि आ ओ सफल रहलाह। मधुबनी जिलाक घोघडिहा क रहनिहार अनुप अपन स्‍कूली शिक्षा भोला हाइ स्‍कूल, बिरौल स केलथि आ स्‍नातक ललितनारायण मिथिला यूनिवर्सिटी से केलाक बाद दिल्‍ली आबि गेलाह। अनुप क कहब अछि जे सफलता लेल लक्ष्‍य जरूरी अछि आ हुनकर लक्ष्‍य समाज लेल किछु करबा प्रयास अछि।
लोकसेवा आयोग मे मैथिलीक प्रवेशक बाद इ सबस पैघ सफलताक आंकडा अछि। एहि आंकडा मे खास गप इ अछि जे मेंस मे बैसनिहार करीब 20 टा छात्र बिहार स बाहर क छलाह, जाहि मे उत्‍तर प्रदेश स तरूण गुप्‍ता आ हरियाणा स आदित्‍य क नाम सामने आबि रहल अछि। आदित्‍य पहिल गैर बिहारी छथि जे मैथिली विषय स इ परीक्षा पास केलथि अछि। मूल रूप स हरियाणाक रहनिहार आदित्‍य सेहो पहिल बेर मैथिली कए अपन विषय मे शामिल केने छलाह। ओतहि मूल रूप स सीवान क रहनिहार ए पांडेय क पुत्र अभिशेष आनंद अपन दोसर प्रयास मे 320 म स्‍थान प्राप्‍त केलथि अछि। आइआइटी स पढल आनंदक कहब अछि जे हुनकर एहि सफलता मे मैथिलीक बड पैघ योगदान अछि। आनंद क अलावा सेहो करीब छह गोटे बिहार क भोजपुर आ चंपारण स एहि परीक्षा मे सफलता पौलथि अछि, मुदा एखन धरि हुनका स संपर्क नहि भ सकल अछि।

Tags: Biharmaithilimithilaupsc

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

लनामिविविक तेसर दीक्षांत समारोह 16 कए

धूमधाम स मनाउल गेल सीता जयंती

मैथिलीक जयंती में मैथिली रामायणक पाठ

Comments 6

  1. प्रकाश झा says:
    14 years ago

    आशीष जी सत्य ई जे अहाँ एतेक नीक खबड़ देलहु जे मोन गौरवान्वित भेल अछि । निश्चित रूपे ई सफलता मैथिली विषयक प्रति आकर्षण बढ़ाओत ।

    Reply
  2. SHIV KUMAR JHA TILLOO says:
    14 years ago

    mon gadgad bha gel,maithili ker durdin samapta bha rahal achhi,sabh safal pratibhagee ken dhanyavad.

    Reply
  3. Dayakant says:
    14 years ago

    Ashis Jee E khabri suni ke samast mathil aur mithilavasi ke gourab bhadal achhi, saghi unkar jo maithili ke 8m suchi me darj karwak lel aandolan kelaith, pulishak lathi khalaith, sanghi dosar khusi ke baat e je non-maithil seho saphalta bhetal achhi ahi se 100% maithili ke taraph akarshan badhat.

    Reply
    • ashish anchinhar says:
      14 years ago

      aatma jura gel

      Reply
      • Alok Kumar Jha says:
        14 years ago

        Bahut paigh uplabdhi aaich. News ke lel bahut dhanyabad . Alok –BNP Paribas Bank-Paris

        Reply
  4. Dr. Shashidhar kumar says:
    14 years ago

    श्री जानकी नवमी / मैथिली दिवस केर पुर्वसंध्या पर मैथिली पर भरोष कएनिहार क्षात्र लोकनि केँ हुनक आशीष ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि