• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

वजूद तकैत गांधी क सपना क नेशनल स्कूल

October 2, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018


दरभंगा । दरभंगा मे राष्ट्रपिता महात्मा गांधी क सपना क एकटा स्कूल अपन वजूद ताकि रहल अछि। केंद्र आ राज्य सरकार आइ भले देश क ऐतिहासिक महत्व क विरासत कए अझुण्ण बनेबाक दावा करि रहल अछि, मुदा राष्ट्रपिता महात्मा गांधी द्वारा स्थापित दरभंगा क ऐतिहासिक नेशनल स्कूल आब खंडहर मे तब्दील भ चुकल अछि।
महात्मा गांधी 1920 ई. मे सम्पूर्ण देश मे अपन रचनात्मक कार्यं क तहत असहयोग आंदोलन क लेल राष्ट्रीय विद्यालय ‘नेशनल स्कूल’ खोलबाक प्रस्ताव रखलथि। देश मे स्थापित भेल प्रथम पांचटा राष्ट्रीय विद्यालय मे दरभंगा क नेशनल स्कूल पहिल अछि।
कोलकाता मे कांग्रेस क विशेष अधिवेशन मे 1920 असहयोग क प्रस्ताव पारित भेल छल। जाहि मे कमलेश्वरी चरण सिन्हा आओर अन्य नेता भाग लेने छलथि आ एहि आंदोलन क पुरजोर समर्थन केने छलथि।
असहयोग आंदोलन प्रारंभ भेला स पूर्व गांधी जी दरभंगा शहर क बेंता मुहल्ला मे स्थित नेपाली कैम्प मैदान मे आयोजित एकटा सभा करैत छात्र स एहि मे भाग लेबाक अपील केने छलाह। एहि सभा क बाद भेल गुप्त बैठक मे महात्मा गांधी असहयोग आंदोलन क सफलता क लेल ‘नेशनल स्कूल’ क योजना रखलाह।
बापू समेत कई स्थानीय स्वतंत्रता सेनानी क अथक प्रयास स शहर क लालबाग मुहल्लस मे देशक पहिल नेशनल स्कूल वर्ष 1920 ई. मे खोलल गेल।
एकर बाद स स्वतंत्रता आंदोलन मे राष्ट्रपिता स्वयं 1927 मे एहि परिसर क एक हिस्सा मे अनाथालय क शिलान्यास केलथि। वर्ष 1930 मे इ स्कूल उत्तर बिहार क प्रमुख ‘सत्याग्रह शिविर’ बनि गेल छल, जतए गुप्त मंत्रणा होइत छल।
स्वतंत्रता आंदोलन मे महत्वपूर्ण भूमिका निभेनिहार इ स्कूल सरकार क उपेक्षा स आइ खंडहर मे तब्दील भ चुकल अछि। स्कूल क देखरेख क लेल बनल समिति आ स्थानीय लोक एकरा राष्ट्रीय स्मारक घोषित करबा लेल राष्ट्रपति आ प्रधानमंत्री तक स पत्राचार करि चुकल अछि, मुदा एखन धरि एहि दिस ककरो ध्यान नहि गेल अछि।

Tags: गांधीदरभंगानेशनल स्‍कूलबि‍हार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे खुलल पहिल नान स्पेस पेट्रोल पंप

भागलपुर क बेटी क बॉलीवुड मे धमाल

Esamaad Epaper Website

नीतीश-मोदी नहि लडता चुनाव, राबडी लडतीह दू ठाम स

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि