पटना। गुजरल साल क उपलब्धि मे पथ निर्माण विभाग सिर्फ निर्माण क किलोमीटर नहि गिन रहल अछि, बल्कि ओहि स अलग आ आगू क क्रियाकलाप कए प्रमुखता स रखि रहल अछि। एहि क्रम मे ई-टेंडरिंग, सड़क क निर्माण क लेल बिहार राज्य पथ विकास निगम क गठन आ पटना मे भारतीय रोड कांग्रेस क प्लैटिनम जुबली सत्र क आयोजन क विशेष रूप स गिनल जा रहल अछि। गप अगर राज्य उच्च पथ क कएल जाए त 2009 एहि दृष्टिकोण स सेहो पथ निर्माण विभाग क लेल उपलब्धि भरल रहल। नवघोषित राज्य उच्च पथ मे स 820 किमी सड़क कए एशियन डेवलपमेंट बैंक क सहायता स दू लेन मे तब्दील करबाक लेल संवेदक क काज आवंटित करि देल गेल। किलोमीटर क रूप मे उपलब्धि देखल जाए त 2417.14 किमी सड़क क निर्माण भेल, जखन कि ठीक एहि स पहिने क वर्ष मे 1913.19 किमी सड़क क निर्माण कएल गेल छल।
2009 कए पथ निर्माण विभाग कई टा महत्वपूर्ण परियोजना क सैद्धांतिक सहमति क लल सेहो याद करि रहल अछि। पटना-गया-बोधगया आ गया-राजगीर-बिहारशरीफ सड़क कए जापान बैंक ऑफ इंटरनेशनल कारपोरेशन क वित्तीय सहायता स फोर लेन मे उन्नयन करबाक लेल सैद्धांतिक सहमति भेटल। महात्मा गांधी सेतु क मरम्मत क लेल सेहो केंद्र स सहमति भेटल।
पुल सेक्टर मे सेहो 2009 मे काफी उपलब्धि रहल। बिहार राज्य पुल निर्माण निगम एहि वर्ष मे 259 टा पुल क निर्माण करउलक। एहि वर्ष मे कटौंझा पुल (सीतामढ़ी), डुब्बाघाट पुल (सीतामढ़ी), झौआघाट पुल (कटिहार), लाभा पुल (कटिहार), कंकड़बाग फ्लाईओवर, वीर कुंवर सिंह सेतु (आरा) पुल कए शुरू कएल गेल। एहि वर्ष मे निगम क टर्नओवर 768 करोड़ टका भ गेल, जखन कि पिछला साल एकर टर्नओवर 417.48 करोड़ टका छल।