पटना। राज्य सरकार बीपीएल सूची स बाहर आ भूमिहीन महादलित कए पायलट बेसिस पर इंदिरा आवास क तर्ज पर घर मुहैया कराउत। संगहि 10 हजार महादलित विकास मित्र कए दू क बदला आब तीन हजार टका मासिक देबाक निर्णय केलक अछि। संगहि 13 हजार महादलित कए कौशल प्रशिक्षण दिएबा लेल आ 70-80 फीसदी लोकक कैम्पस चयन क जरिये रोजगार मुहैया करेबाक व्यवस्था कैल जाइत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे महादलित मिशन क बैठक मे इ फैसला लेल गेल। बैठक मे मुख्यमंत्री क अध्यक्षता मे महादलित विकास मार्गदर्शन समिति क गठन क सेहो निर्णय लेल गेल। जाहि मे मुख्य सचिव, विकास आयुक्त क अतिरिक्त महत्वपूर्ण विभाग क मंत्री आ प्रधान सचिव सदस्य हेताह। बैठक क बाद महादलित आयोग क अध्यक्ष केपी रामय्या कहला जे गाम मे पंचायत आ शहर मे वार्ड स्तर पर महादलित टोला स एक-एकटा व्यक्ति क चयन होएत। करीब दस हजार स अधिक विकास मित्र नियुक्त हेताह। दू माह क भीतर विकास मित्र क नियुक्ति क काज पूरा करि लेल जाएत। रामय्या कहला जे महादलित मे दसवीं पास युवक-युवति कए दशरथ मांझी प्रशिक्षण योजना क तहत कौशल प्रशिक्षण प्रदान कैल जाएत। प्रशिक्षण क दौरान हुनका दैनिक 75 टका भुगतान कैल जाएत