• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विक्रमशिला मे बुद्ध मंदिर लेल 10 एकड़ जमीन अर्जित

December 29, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

कहलगांव । विक्रमशिला मे भगवान बुद्ध आ अतीश दीपांकर क मंदिर निर्माण आ बौद्ध शिक्षण केंद्र खेलबा लेल मलकपुर आ अंतीचक मौजा मे सुखदेव मंडल क नौ एकड़ सात डिसमल जमीन अमरजीत सिंह आ योनजिंन रिनपोन्ची क नाम खरीद कैल गेल अछि। एकर अलावा लगभग दू बीघा जमीन रास्ता क लेल अर्जित कैल गेल अछि। मंगलदिन एहि अर्जित जमीन पर बौद्ध भिक्षु भूमि पूजन केलथि।
एहि अवसर पर तिब्बत क गुरु गोंसर रिन्पोंछ कहला जे विक्रमशिला आबि कए बहुत नीक लागल। पहिने विक्रमशिला क नाम अतीश दीपांकर द्वारा रचित ग्रन्थ मे पढ़ने रही मुदा स्थल क पता नहि चलि पाबि रहल छल। पुरातत्व आ सर्वेक्षण विभाग क रिपोर्ट मे एहि ठामक बारे मे जानकारी भेटल। आब त एहि ठाम स घर सन लगाव भ गेल अछि। अतीश दीपांकर श्री ज्ञान विक्रमशिला विश्वविद्यालय क गुरु आचार्य छलाह। ओ कहला जे एक हजार साल पहिने तिब्बत मे बौद्ध धर्म आ अन्य ज्ञान क छटा बिखेरल छल। आइ हुनकर किताब विभिन्न भाषा मे रूपांतरित भ कए कईटा देश मे पढ़ाउल जा रहल अछि। तिब्बत मे अतीश दीपांकर कए शिक्षा रूपी भगवान मानल जाइत अछि। हुनकर पूजा कैल जाइत अछि।
ओ कहला जे ताहि लेल एहि ठाम सेहो अर्जित जमीन पर भगवान बुद्ध आ अतीश दीपांकर क प्रतिमा स्थापित करि भव्य मंदिर बनाउल जा रहल अछि। संगहि बौद्ध शिक्षा केंद्र खोलल जा रहल अछि।
अतीश दीपांकर सोसायटी क बैनर तर इंटरनेशनल रफ्तेन फाउंडेशन क 66 सदस्यीय बौद्ध भिक्षु क दल मे बुजुर्ग, युवा आ महिला सेहो छथि। एहि दल मे तिब्बत, इंडोनेशिया, मंगोलिया, स्वीटजरलैंड, चेकोस्लोवाकिया आदि देशक भिक्षु छथि। स्थानीय लोक घोघा आ विक्रमशिला मे हिनकर जोरदार स्वागत केलक।

Tags: bhaglpur

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

एनटीपीसी दूर करत बिहार क अन्हार

मनेर, फतुहा, सोनपुर आ हाजीपुर बनत सैटेलाइट शहर

नीतीश क विश्वास स राज्यकर्मी मे जगल आस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि