पटना। लंबा समय स वित्त रहित क समाप्ति क बाट तकनिहार लोक लेल सुकून भरल समाद अछि। कैबिनेट क बैठक मे स्थापना क अनुमति आ प्रस्वीकृति प्राप्त निजी माध्यमकि विद्यालय आ इंटर महाविद्यालय कए भुगतान क लेल 1 अरब 40 करोड़ 88 लाख टका क अनुदान क मंजूरी द देल गेल। अनुदान विद्यालय क परफार्मेस क आधार पर भेटत। माध्यमिक विद्यालय मे इ राशि प्रथम, द्वितीय आ तृतीय श्रेणी स पास भेल छात्र आ छात्रा क हिसाब स क्रमश: 3500 आ 3700, 3000 आ 3200, 2500 आ 2700 टका क दर स भेटत। उच्च माध्यमिक विद्यालय मे इ राशि ओहि क्रम मे 4500 आ 4700, 4000 आ 4200 आ 3500 आओर 3700 टका होएत। 22 फरवरी स विधानमंडल क सत्र आहूत करबाक प्रस्ताव कए सेहो कैबिनेट हरी झंडी द देलक। कैबिनेट सचिव अफजल अमानुल्लाह कहला जे राज्य क विश्वविद्यालय कए मार्च 2009 स मई 2009 तक क वेतन आ पेंशन राशि क भुगतान क लेल 151.67 करोड़ टका क स्वीकृति देल गेल अछि। एक अन्य महत्वपूर्ण फैसला मे कैबिनेट स सर्वोच्च न्यायालय क फैसला क आलोक मे प्रारंभिक विद्यालय मे 34540 सहायक शिक्षक क नियुक्ति क लेल पद सृजन क निर्णय कैल गेल । एकरा लेल विशेष शिक्षक नियुक्ति नियमावली 2010 क निर्माण कैल जा रहल अछि। एहि पद पर केवल प्रशिक्षित उम्मीदवार क नियुक्ति होएत। सरकार होमगार्ड क जवान क मानदेय मे वृद्धि केलक अछि। दैनिक कर्तव्य भत्ता 125 क जगह पर आब 200 टका भेटत। रुपये की दर से भुगतान होगा। संगहि कर्तव्य पर मौत क मामला मे अनुग्रह अनुदान क राशि 50 हजार स बढ़ाकए एक लाख करि देल गेल अछि। नक्सल प्रभावित आठ जिल मे अपर आरक्षी अधीक्षक अभियान क दसटा पद क सृजन क मंजूरी देल गेल अछि। इ जिला अछिं औरंगाबाद, रोहतास, जमुई, मुंगेर, नवादा, मोतिहारी, सीतामढ़ी आ गया। राष्ट्रीय ग्रामीण पेयजल कार्यक्रम क तहत लौह प्रभावित जिला मे हैंड पंप मे आयरन रिमूवल यूनिट अटैचमेंट क लेल 35.7 करोड़ क स्वीकृति देल गेल। तीसर वित्त आयोग क सिफारिश क आलोक मे चालू वित्तीय वर्ष मे राज्य क 38 जिला परिषद क कर्मी क भुगतान लेल 9.37 करोड़ क अनुदान कए मंजूरी देल गेल। कृषि प्रसार क सुदृढ़ीकरण क लेल हर दस गाम पर एकटा विषय वस्तु विशेषज्ञ क नियोजन क प्रस्ताव कए सेहो हरी झंडी द देल गेल। कृषि, उद्यान, पशुपालन आ मत्स्य पालन मे स्नातक कए प्राप्तांक क आधार पर चयन होएत। अधिकतम उम्र सीमा 65 साल होएत। ललित नारायण मिश्र आर्थिक विकास एवं सामाजिक परिवर्तन संस्थान कए चालू वर्ष मे 66.67 लाख क अनुदान क स्वीकृति देल गेल अछि।