दरभंगा। महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह जन्म दिवस समारोह क अध्यक्षता करैत पटना उच्च न्यायालय क न्यायमृर्ति मृदुला मिश्र पांडुलिपि क चोरी आ धरोहर क सुरक्षा-सरंक्षा क लेल आमजन क रुचि नहि रहेबा पर खेद जतउलथि। ओ कहला जे अधिकार क संग हमर किछु कर्तव्य सेहो अछि।
विरासत संरक्षण सेहो हमर नैतिक कर्तव्य अछि। असंतोष क उभार पर ट्रेन कए टार्गेट बनेबाक ओ अनुचित कहलथि। महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउंडेशन क दिश स शनिदिन कए स्थानीय कल्याणी निवास मे आयोजित एहि समारोह क शुरुआत महाराजा क चित्र पर माल्यार्पण स भेल।
एहि अवसर पर विशिष्ट अतिथि महाराष्ट्र क पुणे स आएल छत्रपति शिवाजी महाराज क सेनापति खांडेराव क वंशज आ अधिवक्ता सत्यशील राजे दभदे आ मुुंबई स आएल इतिहास क मर्मज्ञ अक्षय चौहान मिथिला क अतिथि सत्कार, एहि ठाम क भाषा, व्यवहार आदि क प्रशंसा करैत कहलथि जे महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह मिथिला क रोल मॉडल छलथि, जे विकास क लेल सक्रिय छलथि। ओ एहि सांस्कृतिक विरासत क आदान-प्रदान क सेतु बनताह। ओ मिथिला क्षेत्र क लोक द्वारा प्रवास मे अपन संास्कृतिक विरासत कए प्रतिष्ठित करेबा लेल प्रयास क आवश्यकता सेहो जतउलथि। महाकवि विद्यापति रचित गोसाउनिक गीत स शुरू भेल कार्यक्रम क संचालन करैत ट्रस्टी डा. हेतुकर झा फाउंडेशन क गतिविधि क विस्तार स जानकारी देलाह। धन्यवाद ज्ञापन प्रमुख न्यासी आशुतोष सिंह ठाकुर केलथि।