• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विशेष राज्‍यक दर्जा बिहारक हक छी : नीतीश

October 23, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्ली । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राष्ट्रीय विकास परिषद (एनडीसी) क बैठक मे बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा क जोरदार मांग केलथि। ओ प्रधानमंत्री कए एहि पर विचार लेल अंतर मंत्रालय समूह क गठन लेल धन्यवाद देलथि। उम्मीद जतेलाह जे इ समूह बिहार क एहि जायज मांग मे निहित भावना कए सही परिप्रेक्ष्य मे बुझत आ राज्य क विकास मे हरसंभव सहयोग करत। एनडीसी ओ फोरम अछि, जतए स बिहार क इ मांग पूरा हेबाक अछि। प्रधानमंत्री सेहो कहला जे एहि पर फैसला एनडीसी कए करबाक अछि। बिहार लेल एहि बैठक क महत्व क अनुमान एहि स लगाउल जा सकैत अछि जे मुख्यमंत्री क संग उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सेहो पूरा दिन एहि बैठक मे मौजूद छलाह। मुख्यमंत्री कहला जे 2006 मे बिहार विधानसभा प्रस्ताव पारित करि विशेष श्रेणी क दर्जा क मांग केने छल। बिहार क प्रति व्यक्ति आय राष्ट्रीय प्रति व्यक्ति आय क एक तिहाई अछि। इ दिल्ली क प्रति व्यक्ति आय क सातम हिस्‍सा क बराबर अछि। ओ कहला जे राज्‍य क बीच आय मे अंतर क इ खाई चिंता क विषय अछि। एहि लेल एहि मसला कए प्राथमिकता क आधार पर समाधान करबाक चाही। केंद्रीय निवेश क माध्यम स बिहार मे सकल स्थाई पूंजी निर्माण कए गति सेहो विशेष श्रेणी क दर्जा देबा स संभव होएत। मुख्यमंत्री कहला जे राज्‍य क क्षेत्राधिकार वाला विषय पर कानून बनेबा स पहिने राज्‍य क साम‌र्थ्य क सेहो आकलन कैल जाए। शिक्षा क अधिकार कानून क समय हम 90:10 क अनुपात मे धन क आवंटन क मांग केने रही। एकरा घटाकए 65:35 करि देल गेल अछि। एहि स बिहार सन गरीब राज्‍य पर अतिरिक्त वित्तीय बोझ पड़त। बिहार लेल विशेष योजना सहायता कए 12 वीं योजना मे सेहो जारी रखबाक मांग करैत मुख्यमंत्री कहला जे एकरा लेल राज्य कए प्रति वर्ष 4000 करोड़ टका देल जाए। बिहार मे बिजली क गंभीर संकट क उल्लेख करैत मुख्यमंत्री बिजली क केंद्रीय आवंटन बढेबा क मांग केलथि। ओ चौसा (बक्सर), पीरपैंती (भागलपुर) आ कजरा (लखीसराय) बिजली परियोजना लेल कोल लिंकेज नहि देबा पर चिंता जतेलाह। नीतीश राष्ट्रीय खाद्य सुरक्षा विधेयक मे निहित लाभार्थी क सही-सही पहचान लेल बीपीएल आयोग क गठन करबाक मांग केलथि। संगहि कहला जे लक्षित जन वितरण प्रणाली मे सुधार क बदला मे कैश ट्रांसफर क व्यवस्था कैल जाए। एहि स लीकेज न्यूनतम होएत आ परिवार कए अपन जरूरत क मुताबिक खाद्यान्न ल सकबाक आजादी रहत। मुख्यमंत्री रक्सौल स बख्तियारपुर होइत पारादीप बंदरगाह तक ईस्टर्न इकॉनॉमिक कॉरीडोर (पूर्वी आर्थिक गलियारा) बनेबाक मांग केलथि। एहि स बिहार नहि, पड़ोसी राज्‍य कए सेहो लाभ होएत। ओ 12 वीं योजना मे गाम कए आधार बनेबाक बजाय टोला (बसावट) कए इकाई मानि कए योजना बनेबाक सेहो सुझाव देलथि।

Tags: Bihardelhinitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आब यूपीएससी लेल सुपर-25

Esamaad Epaper Website

मरम्‍मत लेल आब सड़क क टूटब जरूरी नहि

पटना कए भेटल एकटा आर चौराहा

Comments 1

  1. vinay shankar jha says:
    14 years ago

    bihar ke utthan hetu bihar ke bises rajya k darja debak chahi.e hetu hamra samast bihar basi se anurodh eih je e mudda ke safal banebak hetu purn jor se prayas kari
    jai mithila jai maithili
    vinay shankar jha

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि