पटना। नव वर्ष मे सूबा क तीनटा राष्ट्रीय उच्च पथ क स्थिति दुरुस्त करबा लेल पैघ पैमाना पर तैयारी अछि। पथ निर्माण विभाग विश्व बैंक क सहयोग स एहि सड़क क निर्माण करत। केंद्र सरकार क योजना क तहत देशभरि क सिंगल लेन क सड़क कए दू लेन क करबाक अछि। तीनटा सड़क क चयन एहि क अंतर्गत भेल अछि। एहि बाबत औपचारिकता पूरा कैल जा चुकल अछि। सब किछु ठीक रहल, त अगिला वर्ष 400 किलोमीटर सड़क क निर्माण कार्य पूरा होएत।
पथ निर्माण विभाग क अधिकारी कहला जे केंद्र क एहि योजना क तहत बिहार क केवल सातटा सड़क अछि। कईटा सड़क क लेल केंद्र बजटीय सहायता उपलब्ध करौलक अछि आ किछु सड़क कए विश्व बैंक क सहायता स बनाउल जाएत। पहिल चरण मे तीनटा सड़क पर काज हेबाक अछि। एकरा लेल फिलहाल विस्तृत परियोजना रिपोर्ट तैयार भ रहल अछि। विश्व बैंक क सहायता स एनएच 98, जे पटना स बिक्रम भाया अरवल होइत औरंगाबाद तक जाइत अछि, कए डबल लेन मे परिवर्तित कैल जाएत। एहि मे 154 किलोमीटर सड़क क निर्माण हेबाक अछि। दोसर सड़क एनएच 104 अछि। इ सड़क शिवहर स जयनगर भाया सीतामढ़ी होइत नरहैया तक जाइत छै। तेसर सड़क एनएच 106 अछि, जे वीरपुर स बिहपुर तक जाइत छै। इ सड़क 136 किलोमीटर लंबा अछि।