पटना। विश्व बैंक स भेटल राशि क बेहतर उपयोग क लेल सरकार पंचायत क कार्यशैली सुधारत। त्रिस्तरीय पंचायती व्यवस्था क लेल विश्व बैंक छह अरब टका बिहार सरकार कए देलक अछि। आब पंचायत क सुदृढ़ीकरण आ शक्ति क विकेन्द्रीकरण क लेल पहिल बेर बिहार ग्राम स्वराज योजना सोसाइटी (बीजीएसवाईएस) बनाउल गेल अछि। सीएजी क रिपोर्ट मे पंचायत क वित्तीय अनियमितता क मामला उठैत रहैत अछि। एहि स राज्य सरकार क फजीहत होइत रहैत अछि। बीजीएसवाईएस राज्य मुख्यालय स लकए प्रखंड तक मे चारि स्तर पर अलग-अलग नाम स काज करत। राज्य सोसाइटी, कार्यकारिणी समिति, जिलास्तरीय समन्वय सोसाइटी आ प्रखंडस्तरीय समन्वय सोसाइटी। चारू समिति बिहार पंचायत सुदृढ़ीकरण परियोजना (प्रोजेक्ट ग्राम स्वराज) क प्रबंधन आ एकर कार्यक्षेत्र क विस्तार क लेल सेहो उत्तरदायी होएत। राज्य सोसाइटी क बैठक वर्ष मे एक बेर होएत। कार्यकारिणी, जिला आ प्रखंडस्तरीय समन्वय सोसाइटी क बैठक तीन मास मे एक बेर होएत।
उद्देश्य
– पंचायती राज संस्था कए समर्थ आ स्वायत्त बनेबा लेल नीति आ प्रशासनिक माहौल बनाएब
– सरकारी परियोजना क कार्यान्वयन क योजना कए सूत्रबद्ध करब
– पंचायत कए नागरिक आ ग्राम सभा क प्रति ओकर उत्तरदायित्व कए लकए जागरूक बनाएब
– क्षमता निर्माण क लेल फेसिलिटेटर, प्रशिक्षक, निजी-लोक संस्थान आ अधिवक्ता कए शामिल करब
– पारदर्शिता मे बढ़ोतरी क लेल पंचायत मे आवश्यक संरचना क सृजन करब
– पंचायत सरकार भवन, संसाधन केन्द्र, एमआईएस आ आईसीटी क निर्माण क निगरानी करब
राज्य सोसाइटी
अध्यक्ष  – विकास आयुक्त
सदस्य  – प्रधान सचिव पंचायती राज, वित्त, योजना आ विकास, ग्रामीण विकास, मानव संसाधन, समाज कल्याण, स्वास्थ्य, ग्रामीण कार्य, पीएचईडी, महानिदेशक बिपार्ड
सदस्य सचिव  – परियोजना निदेशक (बीजीएसवाईएस)
कार्यकारिणी समिति
अध्यक्ष  – प्रधान सचिव पंचायती राज
सदस्य  – प्रधान सचिव, वित्त, योजना एवं विकास, ग्रामीण विकास, मानव
    संसाधन, समाज कल्याण, स्वास्थ्य, ग्रामीण कार्य, पीएचईडी, महानिदेशक बिपार्ड
सदस्य सचिव  – परियोजना निदेशक (बीजीएसवाईएस)
जिलास्तरीय समन्वय सोसाइटी
अध्यक्ष  – डीएम
उपाध्यक्ष – सीईओ जिला परिषद
सदस्य  – जिला पंचायती राज पदाधिकारी, योजना पदाधिकारी, सांख्यिकी पदाधिकारी, कार्यक्रम पदाधिकारी, सिविल सर्जन, डीईओ, प्रमंडलीय शिक्षा अधीक्षक, कार्यपालक अभियंता, कल्याण पदाधिकारी, जिला परिषद अभियंता
संयोजक  – जिला कार्यक्रम प्रबंधक
प्रखंडस्तरीय समन्वय सोसाइटी
अध्यक्ष  – सीईओ पंचायत समिति
उपाध्यक्ष – प्रखंड पंचायती राज अधिकारी
सदस्य  – सीडीपीओ, प्रभारी प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र, बीईईओ, प्रखंड सांख्यिकी अधिकारी, कार्यक्रम
      अधिकारी (मनरेगा), प्रखंड कल्याण अधिकारी
संयोजक  – प्रखंड कार्यक्रम प्रबंधक
पंचायती राज पर एक नजरि 
संस्था  संख्या
पंचायत  8463
पंचायत समिति  531
जिला परिषद  38
नगर निगम  11
नगर परिषद  43
नगर पंचायत  88
 
			 
		     
                                


