पटना। बिहार मे आयेदिन पुरान आ बहुमूल्य मूर्ति, ग्रंथ आ पांडूलिपि चोरी भ रहल अछि। खास क वैशाली त मूर्ति आ ग्रंथ चोरी क कारण चर्चा मे रहैत अछि। एहन मे कई करोड क मूर्ति सुरक्षा क बदला मे महावीर स्थान न्यास समिति नव मंदिर बनेबा मे टका खर्च क रहल अछि। पुरान ढहैत मंदिर क बहुमूल्य मूर्ति क बाजार बिहार मे पसरल जा रहल अछि एहन मे समिति विश्व क सबस उंच मंदिर वैशली मे बनेबा लेल भूमि पूजन करि रहल अछि। इ मंदिर कंबोडिया क विश्वप्रसिद्ध अंकोरवाट हिंदू मंदिर क प्रतिरूप होएत। 12वीं सदी क मे निर्मित कंबोडियाक मंदिरक प्रतिरूप क निर्माण हाजीपुर स पांच किलोमीटर दूर हाजीपुर बिदुपुर मार्ग इस्माइलपुर लग भ रहल अछि। लगभग 100 करोड़ टकाक लागत स बनि रहल एहि मंदिर क भूमि पूजन महावीर मंदिर ट्रस्ट क सचिव किशोर कुणाल केलथि। ओ कहला जे एहि मंदिर मे राम आ सीता क प्रतिमा लागत। कुनाल क कहब अछि जे इ मंदिर 15 एकड़ मे होएत आओर एकरा विरोट अंकोरवाट राम मंदिर क नाम स जानल जाएत। पूरा परियोजना पर करीब 100 करोड़ टका खर्च होएत। कुणाल कहला जे मंदिर क निर्माण कार्य तीन स पांच वर्ष क भीतर पूरा भ जाएत। एहि मंदिर कए संपूर्ण रूप देबा मे 10 वर्ष लागि सकैत अछि। ओ कहला जे महावीर मंदिर न्यास दिस स शुरू मे 20 करोड़ टका देल जा रहल अछि आ बाकि राशि देश भरिक रामभक्त दिस स सहयोग क रूप मे भेटत।