पटना। उद्योग मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव क अनुसार ‘धान क कटोराÓ शाहाबाद म एक टा पार्क बनत। उद्योग जगत क शब्दावली मे एकरा फूड पार्क कहल जाओत आ धान-चावल पर फोकस होएत। फिलहाल मामला विचाराधीन अछि, मुदा उम्मीद अछि जे एहि संबंध मे शीघ्र कोनो फैसला भ जाएत। संगे इथनाल उत्पादन पर लागल रोक खत्म भ जाएत। केन्द्र स ऐहन संकेत भेटल अछि। चीनी उत्पादक संघ गन्ना कए कीमत 160 टा भुगतान करबाक फैसला लेलक अछि। श्री यादव दिल्ल्ी क प्रगति मैदान मे चलि रहल अंतरराष्ट्रीय व्यापार मेला मे एहि सोच कए सामने रखला। ओ कहला जे राज्य विभाजन क बाद खेती सूबा क समृद्धि कए रास्ता खोलत। उद्योग क स्थापना आ निवेश क चुंबक कृषि क्षेत्र बनत। अगिला 10-15 साल मे माथ पर चस्पां पिछड़ापन क दंश सेहो धुल जाइत। इ हम नहि, आब योजना आयोग सेहो कहि रहल अछि। राज्य क दौरा पर आएल आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया कहला जे सूबा मे काज दिख रहल अछि। उद्योग मंत्री क मुताबिक केन्द्र स इथनाल उत्पादन पर लागल रोक खत्म होबाक संकेत भेटल अछि। बात बनल त रिलायंस, भारत पेट्रोलियम, इंडिया ग्लायकोल जेहन कंपनी राज्य मे इथनाल क उत्पादन शुरू करत। मालूम हुए जे राज्य मे उत्पादित होब वाला गन्ना क गुणवत्ता ठीक अछि। चीनी उत्पादक संघ तय केलक अछि जे ओ प्रदेश मे 160 टका प्रति क्विंटल क दर स गन्ना खरीदत।