• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

शूट विद कैमरा नॉट विद वेपन

September 20, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बिहार पुलिसक हाथ मे नव हथियार
पटना।
बिहार सरकार आ राज्य पुलिस लेल जे तकनीक परेशानी ठार करि रहल छल, आब ओ तकनीक सरकार आ पुलिस लेल हथियार भ गेल अछि। पिछला किछु दिन स राज्य मे शूट कैल गेल वीडियो सरकार लेल परेशानी क कारण बनल छल। आब सरकार सेहो एहि तकनीक कए अपन आ पुलिसक सहूलियत लेल इस्तेमाल करै जा रहल अछि। आम जनताक बीच जन्मल इ आइडिया बिहार पुलिस कए एकटा नव हथियार द देलक अछि। इ एहन हथियार अछि जे पुलिसक कार्यशैली बदलबा क संगहि आम लोगक चरित्र कए सेहो दुनियाक समझ आनत। बिहार मे इ देखबा मे खूब भेटैत अछि जे कोनो घटनाक बाद कोनो न कोनो माध्यम स एकटा वीडियो तैयार भ जाइत अछि, जाहि मे सरकार आ पुलिस क कार्यशैली पर गंभीर सवाल उठैत अछि। मुदा इ सेहो सत्य अछि जे बिहार मे अपन स्वार्थ क पूर्ति लेल छोट सन घटना भेला पर आम लोकक भेष मे उपद्रवी सक्रिय भ जाइत छथि आ सार्वजनिक संपत्ति कए क्षतिग्रस्त करबाक संग संग एकटा सुनियोजित माहौल बनेबा मे सफल भ जाइत छथि। एहन प्रवृति क लोक कए दुनियाक सामने अनबा लेल राज्य क पुलिस महानिदेशक अभयानंद सबटा पुलिस अधीक्षक कए साफ तौर पर निर्देश देलथि अछि जे एहन तत्व स निपटबा लेल डंडा या गोली क प्रयोग नहि कैल जाए, उपद्रवी कए हिरासत मे सेहो कैद नहि कैल जाए, बल्कि उपद्रवी क सबटा क्रिया कए कैमरा मे ‘शूट’ करि ओकर आधार पर मामला दर्ज कैल जाए। अभयानंद क एहि निर्देश क बाद पुलिस प्रशासन एहि काज कए तत्काल प्रभाव स लागू करि देलक अछि। ताहि लेल आब अगर भीड़ स निपटबा लेल पुलिस कए लाठी आ बंदूक क जगह पर कैमरा ल कए देखी त आश्चर्य नहि करि ।
हाल मे अररिया क फारबिसगंज आओर नालंदा मे उपद्रवी स निपटबा आ हुनका नियंत्रित करबा लेल पुलिस कए बल प्रयोग करैत दुनिया देखलक। एहि घटना क बाद जतए बिहार पुलिस क चारूकात आलोचना भेल ओतहि सरकार कए सेहो फजीहत भेल । बिहार पुलिस पर लागल गैरजरूरी लाठीचार्ज आ फायरिंग क आरोप क बाद एहि समस्या पर गंभीर चिंतनक बाद अपराध कए अपन तरीका स खत्म करबा लेल प्रख्यात पुलिस महानिदेश अभयानंद इ आदेश देलथि अछि जाहि स पुलिस क छवि कए बहुत हद तक सुधारल जा सकैत अछि, जखन कि समाज मे नुकायल उपद्रवी कए सबूत संग दुनियाक सामने आनल जा सकैत अछि। अभयानंद कहला जे पुलिस क काज आब बेसी आसान भ गेल अछि। पुलिस एहन मामला मे कैमरा क मदद स उपद्रवी क सबटा क्रिया क वीडियो बनाउत आ ओकरा साक्ष्य बनाकए सबटा उपद्रवी कए न्यायालय स सजा दियाउत । ओ कहला जे एहन मामला मे अधिकतर अज्ञात लोकक खिलाफ मामला दर्ज कैल जाइत अछि, मुदा वीडियो फुटेज रहला पर पुलिस एक एक गोटा कए पहचान करि सकैत अछि आ हुनकर खिलाफ मामला दर्ज करि सकैत अछि । एहि स त्वरित सुनवाई क जरिए अपराधी कए सजा सेहो जल्दी भेट सकत।
एहि तरकीब क संबंध मे एकटा पुलिस अधिकारी कहला जे कानून मे भेल संशोधन क तहत सबूत क तौर पर वीडियो फुटेज क उपयोग कैल जा सकैत अछि । ताहि लेल एहि स दंगा, आगजनी आओर छोट-मोट गप कए ल कए होइ वाला सड़क जाम सन स्थिति स निपटबा अवश्य सहायता भेटत। जखन उपद्रवी कए सजा भेटत त एहन प्रवृति पर अपनेआप अंकुश लागि जाएत । गौरतलब अछि जे बिहार पुलिस वीडियो फुटेज देखिए पूर्व मे सेहो उपद्रव क कईटा मामला निपटा चुकल अछि।

Tags: अभयानंदपुलिसबिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

माई-बाप क उपेक्षा करब त जायब जेल

Esamaad Epaper Website

गंगा पर बनत एकटा आर पुल

Esamaad Epaper Website

बिहार मे आब रेडियो टैक्सी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि