• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

संगीत त हमर रोम रोम मे अछि : प्रियंका

October 8, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

 

प्रियंका मल्लिक एकटा एहन नाम अछि जेकरा कोनो परिचय क जरूरत नहि अछि। 250 साल पुरान उत्तर बिहार क संगीत घराना मे प्रियंका पहिल महिला गायिका हेबाक गौरब हासिल केने छथि। दरभंगा घराना क एहि पहिल गायिका क पहिल प्रस्तुति महज सात साल क उम्र मे भेल अछि। शास्‍त्रीय गायकी क क्षेत्र मे दरभंगा घराना कए एकटा नव शिखर पर ल जेबा मे लागल पंडित रामचतुर मल्लिक क एहि परपोती कए राष्ट्रपति पुरस्‍कार सहित कई टा पुरस्‍कार भेट चुकल अछि। देश विदेश मे अपन गायन क छाप छोड़निहारि दरभंगा घराना क एहि अनमोल रत्न स समदिया सुनील कुमार झा आ नीलू कुमारी लंबा चर्च केलथि। प्रस्‍तुत अछि ओकर किछु अंश:-

 

प्रश्न – नमस्कार
प्रियंका : नमस्कार

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रश्न – अहां विश्वप्रसिद्ध दरभंगा घराना स संबंध रखैत छी, एहन महसूस होइत अछि?
प्रियंका : सचमुच मे बहुत गौरवान्वित महसूस करैत छी आ संगहि गर्व सेहो होइत अछि जे हम अपन पुस्तैनी कला कए सहेजबा क काज कए रहल छी।

प्रश्न – सात साल क उम्र स संगीत अजूबा अछि या सच।
प्रियंका : हँसैत…छी त सच, एहि मे अजूबा वाला कोनो गप नहि अछि, जन्म स हम संगीत क बीच रहलहुं, संगीत त हमर रोम रोम मे
बसल अछि, एहि मे एतबा हैरानी वाला गप नहि। सच पूछू त हमरा कोनो झिझक महसूस नहि भेल छल ओहि समय मंच पर।

प्रश्‍न : अपन सबस पहिल पर्फोरमेंस क संबंध मे कनि बताउ।
प्रियंका : जेना अहां कए पहिने बता चुकल छी जे महज सात साल क उम्र मे हम इलाहबाद मे बरीन दास संगीत महोत्सव मे अपन पहिल प्रस्‍तुति दर्शक क सामने आओर एतबा पैघ मंच पर देने रही, ओना ओहि स पहिने स्‍कूल स्‍तर पर हमर प्रस्‍तुति होइत छल।

प्रश्‍न : अहांक संगीत शिक्षा कोना की
प्रियंका : संगीत त हमर संस्कार मे अछि, बचपन स घर मे संगीत सुनैत एलहुं अछि। संगीत त जेना हमर घरक कण-कण मे बसल अछि। ओना संगीत क प्राथमिक शिक्षा हम अपन दादाजी आओर ध्रुपद उस्ताद पंडित विधुर मल्लिक आ अपन पिता पंडित प्रेम कुमार मल्लिक स लेने छी।

प्रश्‍न : इ त अहांक पारिवारिक परंपरा भेल, की अहां संगीत क विधिवत शिक्षा सेहो लेने छी, हमर कहबाक मतलब पढाई स अछि।
प्रियंका : केहन गप करैत छी अहां संगीत क असली ज्ञान त गुरु सब स लेल जाइत अछि आओर ओ हम एखनो ल रहल छी, मुदा कहांक जानकारी लेल हम प्रयाग संगीत समिति स संगीत मे संगीत प्रभाकर (बेचलर ऑफ़ म्यूजिक) आओर संगीत प्रवीण ( मास्टर ऑफ़ म्यूजिक) केने छी। दूनू मे राष्ट्रीय स्तर पर मेरिट मे प्रथम स्थान आयल छल। एकरा लेल हमरा श्री जयंत कस्तौर जे संगीत नाटक अकादमी, नई दिल्ली क सचिव छलाह से स्वर्ण पदक देने छलाह। एकर संगहि हमरा इलाहाबाद विश्वविद्यालय स मास्टर ऑफ़ संगीत (MA) क लेल जाहि मे हम प्रथम स्थान प्राप्त केने रही
गोल्ड मैडल भेटल अछि।

प्रश्न – सुनल अछि जे अहां कए राष्ट्रपति पुरस्‍कार सेहो भेटल अछि।
प्रियंका : जी, इ अवार्ड हमरा आल इंडिया रेडियो म्यूजिक कॉम्पिटीशन, जेकि हिन्दुस्तानी संगीत क लेल छल मे प्रदान कैल गेल छल।

प्रश्न – आर कौन कौन पुरस्कार अहांक झोली मे अछि।
प्रियंका : राष्ट्रपति पुरस्कार क अलावा हमरा प्रयाग संगीत समिति नेशनल ओपन म्यूजिक कॉम्पिटीशन, जेकि इलाहाबाद मे 2006 मे भेल छल, क लेल स्वर्ण पदक भेटल छल। एकर अलावा हमरा उत्तर प्रदेश सरकार आ भारत सरकार क संस्कृति मंत्रालय द्वारा राष्ट्रीय क्षत्रिवृति सेहो भेट चुकल अछि। हमरा मध्य क्षेत्र सांस्कृतिक केन्द्र (NCZCC) द्वारा प्रतिभा उत्सव 2002 क दौरान युवा होनहार संगीतकार क पुरस्‍कार भेटल अछि। संगीत
नाटक अकादमी उत्तर प्रदेश स हिन्दुस्तानी गायन संगीत मे जूनियर आ सीनियर दूनू वर्ग मे प्रथम पुरस्‍कार प्राप्त भेल अछि।

प्रश्न – अपन गायन उपलब्धि क बारे मे बताउ, कतए कतए एखन धरि प्रस्‍तुति कैल अछि।
प्रियंका : एखन धरि देश विदेश मे बहुतो रास प्रस्‍तुति द चुकल छी। सबहक बारे मे कहब कठिन अछि, मुदा किछु प्रस्‍तुति यादगार अछि जाहि मे किछु क उल्‍लेख हम करए चाहब-
विदेश मे
1. वर्ल्ड म्यूजिक फेस्टिवल, स्टिमेन म्यूजिक फेस्टिवल- बसल 2005
(स्विट्जरलैंड),
2. इंडियन कौंसिल फॉर कल्चर रिलेशन फेस्टिवल- बर्लिन 2005 (जर्मनी)
3. RBB रेडियो कंसर्ट- बर्लिन 2005 (जर्मनी)
4. इंडियन म्यूजिक कंसर्ट- विंटरटूर 2005 (स्विट्जरलैंड)
5. इंटरनेशनल म्यूजिक फेस्टिवल-थियेटर दे ला विल्ले फेस्टिवल- पेरिस
2009 (फ्रांस)
6. TFF वर्ल्ड म्यूजिक फेस्टिवल- रुदोल्सतडट 2011 (जर्मनी)
7. इंडियन एम्बेसी कल्चरल म्यूजिक प्रोग्राम, बर्लिन 2011(जर्मनी)
8. इंटरनॅशनल योग फेस्टिवल, बर्लिन 2011 (जर्मनी)
9. युनिवर्सिटी ऑफ़ वेइमर ग्लोबल म्यूजिक फेस्टिवल, वेइमर (जर्मनी)

देश मे :
1. सप्तक म्यूजिक फेस्टिवल, अहमदाबाद
2. बरिन दास संगीत फेस्टिवल , इलाहाबाद
3. संकल्प म्यूजिक फेस्टिवल, भोपाल
4. मेक्स मुलर भवन कंसर्ट- न्यू देल्ही,
5. उत्तर भारतीय संगीत समारोह- भदोई
6. विन्ध महोत्सव- विन्ध्याचल
7. स्वामी हरिदास संगीत समारोह- मथुरा
8. NCZCC प्रतिभा उत्सव- इलाहाबाद
9. सुर सिंगार संगीत सम्मलेन- मुंबई
10. भातखंडे संगीत फेस्टिवल- लखनऊ
11. संगीत कला महोत्सव- भोपाल
12. लखनऊ महोत्सव- लखनऊ
13. आल इंडिया रेडियो म्यूजिक फेस्टिवल- कोलकाता

प्रश्न – सुनल अछि जे जर्मनी मे अहांक बहुत रास फैन छथि आ ओहि ठाम अहांक कईटस एल्बम सेहो रिलीज भ चुकल अछि।
प्रियंका : जी बिलकुल, मुदा हमर नहि हमर गायन आ संगीत क चाहनिहार बहुत छथि ओहि ठाम, जर्मनी मे हमर एल्बम सेहो रिलीज भ चुकल अछि जाहि मे स इन पेरिस ऑफ़ गोडेस, गोडेस डिवाइन इनर्जी, आओर कलर ऑफ़ इंडिया प्रसिद्ध अछि। एकटा एल्‍मब अन्य कलाकार क संग बेगम अख्तर सेहो रिलीज भेल अछि।

प्रश्न – गीत संगीत क अलाबा अहांक कोनो उपलब्धि।
प्रियंका : गीत संगीत त हमर जीवन छी, एकर अलावा हम की करि सकैत छी। ओना एखन हम अपन पापा आ गुरु क सानिध्य मे इलाहाबाद विश्वविद्यालय स पी.एच.डी. करि रहल छी।

प्रश्‍न : आखिर मे अहां इसमाद लेल अपन समय देलहुं ताहि लेल बहुत बहुत धन्यवाद।
प्रियंका : अहूं कए।

Tags: Bihardarbhangagharanapriyankaघरानादरभंगाध्रुपदप्रियंकामल्लिक

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आब कॉलेज मे होएत सिंडिकेट क बैठक

Esamaad Epaper Website

बिहार मे आउत सीएनजी

Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे बनल फ्रेंडोमेनिया मचेलक धूम

Comments 1

  1. Mayank Jha says:
    14 years ago

    ahaan ke geet sab jadi interenet par uplabdh aich download kara lel ta okar link ai tham post ka diya. Kripa hait.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि