• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

संस्कृत क महारथी डॉ. जयमंत मिश्र नहि रहलाह

September 12, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। राष्ट्रपति पुरस्कार स सम्मानित संस्कृत क उद्भट विद्वान आ कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क पूर्व कुलपति महामहोपाध्याय आचार्य डॉ. जयमंत मिश्र क मंगलदिन पटना क एकटा निजी अस्पताल मे देहावसान भ गेलनहि । ओे 85 वर्ष क छलाह। दू दर्जन स बेसी ग्रंथ क रचयिता आ दर्जन भरि स बेसी ग्रंथ क संपादक डॉ. मिश्र आधुनिक संस्कृत-संसार क शिरो-मुकुट छलाह। मिथिला क संस्कृत-परंपरा क वर्तमान मे सशक्त कड़ी रहल डॉ. मिश्र अक्षर-उपसना क क्षेत्र मे अनेक कीर्घ्त्तिमान स्थापित केने छलाह आ एकरा लेल विभिन्न पुरस्कार स अलंकृत भेल छलाह।
स्थानीय हनुमानगंज मिश्रटोला निवासी आचार्य डॉ. जयमंत मिश्र मधुबनी जिला क जन्म ढंगा हरिपुर गांव निवासी पं. सर्वनारायण मिश्र क घर पुत्र क रूप मे 15 अक्टूबर, 1925 कए भेल छल। डॉ. मिश्र अपन आजीविका क शुरुआत बिहार विश्वविद्यालय स व्याख्याता क रूप मे आरंभ केलथि आ ओतहि अध्यक्ष पद कए अलंकृत केलथि। सेवा काल मे कोलंबो आ नेपाल क त्रिभुवन विश्वविद्यालय स संबद्ध रहल डॉ. मिश्र कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क कुलपति पद कए 1980 स 85 तक सुशोभित केलथि। वर्ष 1950 स लकए 2010 तक ओ संस्कृत, मैथिली आ हिन्दी मे 25 ग्रंथ संस्कृत व्याकरण सार, संस्कृत व्याकरणोदय, काव्यात्म-मीमांसा,पुष्प चिंतामणि, निबंध कुसुमांजलि, अभिलेख गीतमाला, मैथिली नाटक पर संस्कृतक प्रभाव, अलंकार प्रकाश, कविता कुसुमांजलि, प्रबंध कुसुमांजलि, महाकवि विद्यापति, काव्यविच्छित्त मीमांसा, आर्यापंचशती, संस्कृत बाडमय का वृहत इतिहास, संस्कृत बाडमय मे बिहार का योगदान, महामानव चंपू काव्य, भारतीय साहित्यक निर्माता सुरेंद्र झा सुमन, युगलश्री गीतिमालिका, श्रीकृष्णचंद्र चरित महाकाव्यम्, कालिंदी परिणय महाकाव्यम्, श्रीदेवयानी चरित महाकाव्यम्, मदालसाचरित महाकाव्यम्, ध्रुवचरित महाकाव्यम्, श्रीचौतन्य चरित महाकाव्यम् आ श्रीमद्भावगततामृतम् क रचना केलथि। एकर अलावा ओ 13टा पुस्तक शैवसर्वस्वसार, शैवसर्वस्वसार प्रमाणभूत पुराण संग्रह, विभागसार, लिखनावली, दानवाक्यावली, विभक्त्यर्थप्रकाशिका, अधिकरण-कौमुदी, लघुकथा संग्रह, मैथिली अभिलेख गीतमाला, भाषणमाला, पूजाकृत्यकौमुदी, पूजा प्रदीपरू आ भगवत्पादाद्यशंकराचार्य-पंचसहस्राब्दस्मृतिग्रंथ क संपादन सेहो केलथि। हुनकर अधीन करीब दू दर्जन अध्येता शोध केलथि आ ओ करीब सौ टा शोध निबंध लिखने छथि।

Tags: जयमंत मिश्र

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बीपी मंडल सेतुक पिलर क मरम्मत बंद, यातायात ठप

Esamaad Epaper Website

आब यूपी मे सेहो लुटा रहल छथि बिहारी मजदूर

Esamaad Epaper Website

साक्षरता मामला मे बिहार चारिम स्थान पर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि