पटना। चकाचक सड़क आ गली। कोनो ठाम कूड़ा क नामोनिशान नहि अछि। यदि सब किछु ठीकठाक रहल त जल्द इ हकीकत देखबाक लेल भेटत। पटना नगर निगम पूरा सफाई व्यवस्था क मैकेनाइज्ड करबाक योजना तैयार केलक अछि। एकरा लेल शुरुआत मे 10 टा सड़क कए चुनल गेल अछि। काज क लेल अलग-अलग रूट निर्धारित कए गेल अछि। एकटा रूट मे 32.45 किलो मीटर सड़क त दोसर रूट मे 28.65 किलो मीटर सड़क क सफाई क काज शामिल कएल गेल अछि। सफाई काज क लेल आधुनिक सफाई मशीन क खेप पहुंच लागल अछि। जल्द स्वीपिंग मशीन नूतन राजधानी क्षेत्र क 9टा सड़क क अलावा कंकड़बाग पुराना बाईपास पर सफाई क काज संभालत। मशीन सड़क पर मौजूद बालू, धूल, पत्थर आ कागज क टुकड़ा तक साफ करि देत। एहि काज क लेल तैयार कराउल गेल नक्शा क अनुसार रूट नंबर एक क काज क्षेत्र हड़ताली मोड़ स त रूट नंबर दू चितकोहरा मोड़ स शुरू होइत। दूनू रूट क अंतिम छोर गांधी मैदान रखल गेल अछि। नगर निगम क आयुक्त के सैथिल कुमार क अनुसार नूतन राजधानी अंचल क अलावा कंकड़बाग पुरानी बाईपास कए मैकेनाइज्ड सफाई क लेल शामिल कएल गेल अछि। श्री कुमार क अनुसार पतली सड़क पर 1.13 क्यूबिक मीटर यानी एक टन क्षमता वाला एक हजार टा कंटेनर लगाउल जाइत। मुख्य सड़क पर 4.5 क्यूबिक मीटर यानी चारि टन क्षमता वाला एक सौ टा कंटेनर लागत। नगर निगम क पास 16 टन कचरा ढोबै वाला चारि कांपैक्टर उपलब्ध अछि। जे निजी कंपनी कए मैकेनाइज्ड सफाई क काज देल गेल अछि, ओ दस टा आओर छोट-छोट कांपैक्टर क व्यवस्था करत। इ संकरी सड़क पर राखल कंटेनर स कचरा उठाउत। एकरा अलावा 50 टा टाटा एसीई गाड़ी कए कूड़ा ढोबाक लेल मंगाउल जा रहल अछि। नगर आयुक्त कहलथि जे निगम कचरा उठाव क अनुरूप टका कए भुगतान करत। यदि गाड़ी खड़ा रहत त भुगतान नहि होइत। मापी क आधार पर भुगतान आ वाहन क रख-रखाव क चिंता स निगम मुक्त रहल। नूतन राजधानी अंचल क अलावा कंकड़बाग पुराना बाईपास कए मैकेनाइज्ड सफाई योजना मे शामिल कएल गेल अछि। जे कंपनी कए एहि काज पर लगाउल गेल अछि, हुनका कचरा क मात्रा क अनुसार भुगतान कएल जाएत। यदि इ काज मे लागल गाड़ी ठाड़ रहत त निगम एकरा लेल कोनो भुगतान नहि करत।