• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सदन मे उठल मिथिलाक गप

December 11, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रीतिलता मल्लिक
पटना।
नीतीश सरकार पर उत्‍तर बिहार खास क मिथिला कए उपेक्षा करबाक आरोप लगैत रहल अछि। एहि संदर्भ मे आंगुर उत्‍तर बिहारक नेता पर सेहो उठल जे ओ अपन क्षेत्रक विकास लेल सदन मे चुप रहैत छथि। जखन स्‍थानीय नेता कए कोनो गर्ज नहि त आन केकरा मतलब आ किया मतलब होएत। बिहार विधानसभाक शीतकालीन सत्र मे मिथिलाक नेताक क्षेत्रक प्रति चिंता देखबा लेल भेटल। एखन इ संख्‍या कम अछि मुदा रुख सकारात्‍ममक अछि आ उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे अपन क्षेत्रक विकास लेल आवाज उठेनिहार नेताक संख्‍या आर बढत। विकासक मसला पर चुप्‍पी सधबाक आरोप क्षेल रहल उत्‍तर बिहारक नेता मे स दू गोटे सदन मे विकास स संबंधित दूटा महत्‍वपूर्ण मसला उठेलथि अछि। सबस पहिने दरभंगा स्‍नातक क्षेत्र स विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी दरभंगाक कामेश्‍वर नगर (विश्‍वविद्यालय परिसर) क रख रखावक संबंध मे सदन मे सरकार स सवाल केलथि। श्री चौधरी सदन मे कहला जे दरभंगा स्थिति कामेश्‍वर नगर मे कईटा महल अछि जेकर रख रखाब सही तरीका स नहि भ रहल अछि। ओ कहला जे एहि लेल तत्‍काल राशि नहि देल गेल त एहि एतिहासिक धरोहर कए नहि बचाउल जा सकैत अछि। श्री चौधरी कहला जे आन विश्‍वविद्यालय कए सरकार आधारभूत संरचना लेल राशि द रहल अछि मुदा मिथिला विश्‍वविद्यालय कए एहि मद मे राशि उपलब्‍ध नहि कराउल जा रहल अछि। श्री चौधरी सरकार पर दरभंगा संग उपेक्षाक सीधा आरोप त नहि लगेलाह, मुदा इ जरूर कहला जे इ गंभीर मामला अछि। ज्ञात हुए जे कामेश्‍वर नगर मे नरगौना महल समेत कईटा आर महत्‍वपूर्ण इमारत अछि जे दरभंगा राज सरकार कए देने अछि। इ परिसर दरभंगाक संग संग पूरा बिहार लेल एकटा धरोहर जेकां अछि। रख रखाब क बिना एकर सौंदर्य खत्‍म भ रहल अछि आ कईटा चीज त खत्‍म भ चुकल अछि। श्री चौधरीक सवाल उत्‍तर मे सरकार आश्‍वासन टा देलक अछि। उम्‍मीद कैल जाए जे किछु कार्रवाई सेहो होएत। एहिना विधान पार्षद संजय झा मिथिला चित्रकलाक प्रति सरकारक उदासीनताक सवाल सदन मे उठेलाह अछि। श्री झा सदन मे सरकार स पूछलाह जे मि‍थिला चित्रकला लेल सरकार की करि रहल अछि आ बिहार मे एकर संग्रहालय निर्माण किया नहि भ रहल अछि। श्री झाक सवाल क उत्‍तर देबा लेल मंत्री सुखदा पाण्‍डेय लग तत्‍काल कोनो ठोस उत्‍तर नहि छल। ओना ओ इ मानबा लेल तैयार भ गेलीह जे मिथिला चित्रकला बिहारक धरोहर अछि आ सरकार मधुबनी मे मिथिला चित्रकला स संबंधित संग्रहालय बनेबा लेल तैयार अछि। मुदा ओ इ साफ नहि केलथि जे सरकार लग एहन कोनो योजना अछि बा नहि आ अगर अछि त इ कहिया धरि जमीन पर उतरत। इ सच अछि जे मिथिलाक एहि दूनू नेताक सवाल पर सरकार दिस स ठोस उत्‍तर नहि भेटल, मुदा तखनो खुश हेबाक गप इ अछि जे सदन मे एहन सवाल उठल जे कोनो व्‍यक्ति, जाति या वर्ग स संबंधित नहि छल, इ सवाल पूर्ण रूप स मिथिला स जुडल छल। उम्‍मीद अछि नेताक संख्‍या बढत त सरकार सेहो गंभीरता स उत्‍तर देत आ समय सीमा निर्धारित करि योजना कए जमीन पर उतारत।

Tags: Bihardarbhangamaithilimithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

32 साल बाद फेर होएत स्ट्रीट लाइट लेल अलग फेज

Esamaad Epaper Website

धुआ गेल एकटा आर दाग

Esamaad Epaper Website

दरभंगा एयरबेस पर एयरपोर्ट सन सुविधा

Comments 3

  1. Dr. Shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    आंगुर उत्‍तर बिहारक नेता पर सेहो उठल जे ओ अपन क्षेत्रक विकास लेल सदन मे चुप रहैत छथि – सही बात आ आङ्गुर उठबाके चाही ।

    Reply
  2. Dr. Shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    मि‍थिला चित्रकला लेल सरकार की करि रहल अछि आ बिहार मे एकर संग्रहालय निर्माण किया नहि भ रहल अछि – ईहो नीक गप्प – जापान मे बनल पर मिथिला मे किएक नहि ।

    नऽव संग्रहालय तऽ बनबाके चाही संग संग दड़िभंगा केर दुनु संग्रहालयक सुविधा आ स्तर सुधरबाक चाही ।

    Reply
  3. Dr. Shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    ज्ञात हुए जे कामेश्‍वर नगर मे नरगौना महल समेत कईटा आर महत्‍वपूर्ण इमारत अछि जे दरभंगा राज सरकार कए देने अछि। इ परिसर दरभंगाक संग संग पूरा बिहार लेल एकटा धरोहर जेकां अछि। रख रखाब क बिना एकर सौंदर्य खत्‍म भ रहल अछि आ कईटा चीज त खत्‍म भ चुकल अछि।……………………………………………………………………………………….. एहि तरहक सभ संरचना केँ विश्व धरोहरि घोषित कय पर्यटक स्थल मे बदलि देबाक चाही आ ओहि मे चलि रहल महाविद्यालय, विश्वविद्यालय आ सरकारी कार्यालय सभ केँ सरकार द्वारा यथाशिघ्र अन्यत्र स्थानांतरित करबाक चाही ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि