पटना । हालिया संपन्न विधानसभा चुनाव मे मुस्लिम विधायक क संख्या पहिने स बढल अछि। एतबे नहि काफी सालक बाद दूटा मुस्लिम महिला सेहो सदन क सदस्य भेलथि अछि। बदलाव क लहर केवल संख्या टा मे नहि देखा रहल अछि, बल्कि एहि बेर चुनिकए आयल 19टा मुस्लिम विधायक मे स ज्यादातर उच्च शिक्षा प्राप्त छथि, संगहि हिनकर औसत बैस सेहो केवल 45 साल अछि। एहि मे डॉक्टर, वकील आओर पीएचडी धारी सेहो छथि। 14टा विधायक त पहिल बेर विधानसभा क सदस्य बनलाह अछि।
डॉ मोहम्मद जावेद गवर्मेंट कश्मीर युनिवर्सिटी, मेडिकल कॉलेज स एमबीबीएस केने छथि,त डॉ दाऊद अली डीएच मेडिकल कॉलेज, दानापुर स डीएचएमएस क डिग्री हासिल केने छथि। ओतहि शाहिद अली खां बीबीआर अंबेडकर विश्वविद्यालय, मुजफ्फरपुर,त इज्हार अहमद मगध विश्वविद्यालय स एलएलबी छथि। अहमद पीएचडी सेहो छथि। फैयाज अहमद ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा आ अब्दुल गफूर पटना विश्व विद्यालय स एमए आ एलएलबी छथि। जावेद इकबाल अंसारी रांची विश्वविद्यालय स पीएचडी छथि। जखकि अख्तरुल ईमान आ मोहम्मद आफाक आलम, एमए पास छथि,त सबा जफर, नौशाद आलम, जाकिर हुसैन, सरफराज आलम आ परवीन अमानउल्लाह स्नातक छथि।
पुरान समाजवादी आ अली नगर स राजद विधायक अब्दुल बारी सिद्दीकी एएन कॉलेज, पटना स त अख्तरुल इस्लाम शाहीन एमएचकेजी कॉलेज, समस्तीपुर स आइएससी केने छथि। कल्याणपुर स जदयू क टिकट पर जीतल रजिया खातून मैट्रिक पास छथि। एकर अलावा मोहम्मद तौसीफ आलम आ शर्फउद्दीन मदरसा स तालीम हासिल केने छथि। मो तौसीफ आलम आ अख्तरुल शाहीन एहि बेर विस मे पहुंचल सबस जवान मुस्लिम विधायक छथि। हिनकर बैस 31 साल अछि जखन कि सबस बैसगर मुस्लिम विधायक छथि अब्दुल बारी सिद्दीकी, 63 आ रजिया खातून, 57।